• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नव साल मे ममता देलथि पटना कए सनेस

January 2, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । नव साल क मौका पर ममता बनर्जी पटनाक लोक कए बड पैघ सनेस देलथि अछि। रेल मंत्री ममता बनर्जी क आदेश पर रेल मंत्रालय बिहार सरकार क छह साल पुरान मांग मांगि लेलक अछि। अंग्रेज द्वारा बनाउल गेल डेढ सौ साल पुरान रेल लाइन क जगह पर आब छह लेनक सडक बनबाक बाट साफ भ गेल। पटना शहरक यातायात पिछला छह साल मे बहुत बढि गेल अछि, ताहि लेल सरकार शहरक बीच स गेल पटना दीघा लाइन क जमीन सडक बनेबा लेल मांगि रहल छल। आर ब्लॉक स दीघा तक करीब नौ किलोमीटर लंबा इ लाइन बहुत दिन स बंद छल, लालू क कार्यकाल मे एहि पर सवारी गाडी चलाउल गेल, मुदा लोकप्रिय नहि भेल, एहन मे एकरा खत्म करबाक मांग जोर पकडि लेलक। दोसर दिस एहि इलाका मे सडक जाम क समस्या बिकराल भ गेल अछि आ वर्तमान सडक क चौडाई नहि बढाउल जा सकैत अछि। एहन मे इ विकल्प सर्वमान्य छल।
पिछला साल अगस्त मे नीतीश कुमार ममता बनर्जी क सामने इ प्रस्ताव रखने छलाह जे अगर इ लाइनक जमीन रेलवे राज्य सरकार कए दैत अछि त सरकार रेलवे कए एकर बदला मे नबीनगर मे जमीन मुहैया करा दैत जाहि ठाम रेलवे क बिजली घर लागी रहल अछि। मुदा रेलवे एहि प्रस्ताव कए खारिज करैत मांग केलक अछि जे एहि जमीनक बदला मे ओकरा हाजीपुर मे जमीन उपलब्ध करौल जाए जाहि स ओ अपन मुख्यालयक विस्तार कए सकत। राज्य सरकर रेल मंत्रालय क इ मांग मानि लेलक अछि, जाहि स मामला निपटी गेल। सड़क परिवहन मंत्री नंद किशोर यादव कहला अछि जे अगिला वित्त वषर्् मे एहि पर काज शुरू भ जाएत। राज्य सरकार एकर बदला मे हाजीपुर मे रेलवे कए जमीन दैत। रेलवे ईस्ट-सेंट्रल रेलवे मुख्यालय क विस्तार क लेल राज्य सरकार स जमीन मंगलक अछि।

Tags: पटनाममतारेल

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

पर्यटक क भीड स गदगद रहल बिहारक धरती

मंडी हाउस मे विलाप

Esamaad Epaper Website

दूटा समाद मे नुकायल हजारटा संदेश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि