पटना। आधा दर्जन राष्ट्रीय उच्च पथ कए नव सिरा स बनाउल जाएत। पथ निर्माण विभाग छहटा सड़क लेल भूखंड एनएचएआई कए हस्तांतरित करबाक अधिसूचना जारी करि देलक अछि। जाहि सड़क पर काम शुरू कैल जा रहल अछि, ओहि मे छपरा स हाजीपुर (एनएच-19), पटना स बक्सर (एनएच-84), बख्तियारपुर स पूर्णिया (एनएच-31), मुजफ्फरपुर स सोनबरसा (एनएच-77), मोकामा स मुंगेर (एनच-80) आ गोपालगंज स छपरा (एनएच-85) शामिल अछि। एहि सड़क सब मे कईटा सड़क फोर लेन क अछि। छपरा स हाजीपुर, पटना स बक्सर कए फोर लेन आ बख्तियारपुर स पूर्णिया, मुजफ्फरपुर स सोनबरसा, मोकामा स मुंगेर आ गोपालगंज स छपरा सड़क कए दू लेन क सड़क मे विकसित करबाक अछि। एनएचएआई क अनुसार निविदा क प्रक्रिया लगभग पूरा भ चुकल अछि। शीघ्र काज आरंभ होएत।
दोसर दिस ग्रामीण कार्य विभाग क मंत्री डा. भीम सिंह दिल्ली स लौटलाक बाद कहला जे केंद्र स गप क कोनो नतीजा नहि निकलल आ राज्य मे तत्काल 9 हजार किलोमीटर ग्रामीण सड़क क निर्माण फिलवक्त लटकि गेल अछि। ओ कहला जे ग्रामीण सड़क क निर्माण मे केन्द्रीय सहायता क मद्देनजर सुलझल गप कए सेहो केंद्र मे बैसल अधिकारी आ मंत्री नव-नव खुरपेंच क परकोट पर फेर लटका देलथि अछि। सिंह बस एतबा कहला जे – ‘दू टा केंद्रीय मंत्रीक त देखलहुं जे नीयत साफ नहि छल। देखी तेसर केन्द्रीय मंत्री की करैत छथि?’ डा. सिंह कहला जे अगर लंबित परियोजना कए स्वीकृति भेट गेल त राज्य मे तत्काल 9 हजार कि.मी. ग्रामीण सड़कक निर्माण कार्य प्रशस्त भ जाएत।
हस्तांतरित जमीन
-छपरा स हाजीपुर-143म किमी स 207म किमी
-पटना स बक्सर- शून्य किमी स 75म किमी तक
-बख्तियारपुर स पूर्णिया-153म किमी स 410म किमी तक
-मुजफ्फरपुर स सोनबरसा-शून्य किमी स 89म किमी तक
-मोकामा स मुंगेर-1.430 किमी स 70म किमी तक
-गोपालगंज स छपरा-शून्य स 94.70 किमी तक