पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटना क गांधी मैदान मे आयोजित महादलित एकजुटता रैली मे नान मैट्रिक कए सेहो विकास मित्र बनेबाक घोषणा केेलथि। कार्यक्रम स्थल तक पैदल पहुंच मुख्यमंत्री प्रसन्नता व्यक्त केेलथि जे इतबा पैघ रैली क बावजूद यातायात बाधित नहि भेल। ओ विरोधी दल पर कटाक्ष सेहो केलथि-‘किछु लोक त रैली क बहाने शहर कए अस्त-व्यस्त करबा मे आनंद लैत अछि।Ó मुख्यमंत्री कहला किछु लोक महादलितक एकता कए तोड़बा क कोशिश मे अछि। मुदा ओ सफल नहि होएत। महादलित मिशन जे कार्यक्रम बनेलक अछि, ओकरा हर हाल मे लागू कैल जाएत। भूमिहीन महादलित कए तीन डिसमिल जमीन त भेटबे करत, संग-संग शौचालय सहित घर सेहो बनाउल जाएत। ओ कहला जे सरकार महादलित कए रेडियो खरीदबा लेल जे राशि द रहल अछि, ओहि पर ध्यान देबाक आवश्यकता अछि जे राशि शराब पीबा मे नहि खर्च भ जाए। दलित महिला कए संबोधित करैत नीतीश कहला जे हिनकर शराब पीबाकआदत अहिसब कए छोड़ेबाक अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे विकास मित्र क माध्यम स महादलित टोलों क विकास कैल जाएत। कम पढ़ल लिखल यानी नान-मैट्रिक कए सेहो विकास मित्र बनाउल जाएत। एहि मौके पर उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी हर महादलित कए बीपीएल क सूची मे शामिल करबाक मुख्यमंत्री स अपील केलथि। रैली कए पूर्व मुख्यमंत्री रामसुंदर दास, अनुसूचित जाति कल्याण मंत्री जीतन राम मांझी, महादलित आयोग क अध्यक्ष विश्वनाथ ऋषिदेव सेहो सम्बोधित केलथि।
हम किछु गलत नहि केलहंू : चौधरी
कोनो राजनीतिकरैली मे मंच संचालन विधानसभा क अध्यक्ष कए करबाकचाही बा नहि, एहि पर बहसशुरू भ गेल अछि। कानून जे कहए, मुदा परंपरा रहल अछि जे विधानसभाक अध्यक्ष एहन कोनो रैली स दूर रहैत छथि। मुदा उदय नारायण चौधरी एहि परंपरा कए तोडि़ देलथि। ओ मंच क संचालन टा नहि केलथि, बल्कि ‘नीतीश कुमार जिंदाबादÓ क नारा सेहो लगेलथि। एहि संबंध मे विधानसभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी कहला जे रैली क आयोजन करि हम कोनो असंवैधानिक कार्य नहि केलहूं अछि। एकजुटता आनब सबस पैघ संवैधानिक कार्य अछि। महादलित क एकजुटता देखि विरोधी क छाती फाटि रहल अछि। मुदा दलित क नाम पर ओ सब परिवारवाद करि रहल छथि।