– जमा अनुपातक अनुसार आईसीआईसीआई कए बिहार मे 371 करोड़ आ एचडीएफसी को 183 करोड़ टका ऋ ण देबाक अछि, मुदा इ दूनू बैंक राज्य मे कोनो ऋ ण नहि देलक अछि।
-बिहार क बैंक मे सितंबर 2009 तक 93 हजार 244 करोड़ टका जमा अछि।
-पिछला छह माह मे दस हजार 196 करोड़ टका विभिन्न बैंक मे जमा भेल।
पटना – तीस हजार 978 करोड़
मुजफ्फरपुर-
गया-
छपरा – 3125 करोड़
भागलपुर –
सीवान – 2812 करोड़
‘बैंक क शीर्ष अधिकारी क इ निर्देश अछि जे बिहार क लोक कए ऋ ण नहि देल जाए।’
-आईसीआईसीआई क अधिकारी
अगर जमा राशिक अनुपात मे ऋण नहि बाटल गेल त बैंक क शाखा कए बंद करि देल जाइत।
-सुशील मोदी, उपमुख्यमंत्री
पटना । बिहार सरकार राज्य मे ऋ ण बटबा मे कैल जा रहल कंजूसी पर बैंक कए चेतावनी देलक अछि। सरकार कहलक अछि जे अगर जमा राशिक अनुपात मे ऋण नहि बाटल गेल त बैंक क शाखा कए बंद करि देल जाइत। सरकारक एहि चेतावनी स निजी बैंक अधिकारी मे हड़कंप मचल अछि। चेतावनी बाद बैंक शैक्षणिक ऋ ण क व्याज पर छात्रा कए एक प्रतिशत क विशेष छूट देबाक घोषणा केलक अछि।
उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी आइ राज्य स्तरीय बैंकर्स समिति क 30म बैठक क बाद संवाददाता सम्मेलन मे कहला जे निजी बैंक बिहार मे कोनो ऋ ण नहि द रहल अछि। एहि पर बैठक मे चिंता जाहिर कैल गेल आ बैंक कए सख्त शब्द मे कहल गेल अछि जे यदि ओ बिहार मे टका जमा करबा लेल अपन शाखा खेललथि अछि, त एहन शाखा कए बंद करबाक लेल विचार करब।
सूत्र कहैत अछि जे बैठक मे बिहार क लोक कए ऋ ण नहि देबाक मामला मे आईसीआईसीआई बैंक कए उपमुख्यमंत्री विशेष तौर पर चेतावनी देलाह। बैंक क अधिकारी उपमुख्यमंत्री कए कहला जे बैंक क शीर्ष अधिकारी क इ निर्देश अछि जे बिहार क लोक कए ऋ ण नहि देल जाए। जमा अनुपातक अनुसार आईसीआईसीआई कए बिहार मे 371 करोड़ आ एचडीएफसी को 183 करोड़ टका ऋ ण देबाक अछि, मुदा इ दूनू बैंक राज्य मे कोनो ऋ ण नहि देलक अछि। मोदी कहला जे बिहार क बैंक मे सितंबर 2009 तक 93 हजार 244 करोड़ टका जमा अछि, जखनकि एहि अवधि मे मात्र 30 हजार 412 करोड़ टका ऋ ण देल गेल अछि। शेष 63 हजार करोड़ बिहार मे खर्च नहि भ कए अन्य राज्यक विकास मे खर्च भ रहल अछि। ओ कहला जे बैंक कए एहि वर्ष 21 हजार 127 करोड़ टका ऋ ण देबाक लक्ष्य छल। उप मुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री कहला जे राज्य मे पिछला छह माह मे दस हजार 196 करोड़ टका विभिन्न बैंक मे जमा भेल। ओ कहला जे बैंक मे जमा राशि क मामला मे पटना पहिल नंबर पर रहल, एहि ठाम तीस हजार 978 करोड़ जमा अछि, मुदा आश्चर्यजनक रूप स छपरा आ सीवान जैसे छोटे शहर चौथे और छठे नंबर है। छपरा मे 3125 करोड़ आ सीवान मे 2812 करोड़ जमा अछि। दोसर स्थान पर मुजफ्फरपुर, तेसर स्थान पर गया आ पांचम स्थान पर भागलपुर अछि। मोदी कहला जे सरकार क दबाव क कारण बैंक कईटा नव शाखा खोलि रहल अछि आ अगिला साल मार्च तक विभिन्न बैंक क 270 नव शाखा खुलत। राज्य क चारि प्रखंड मे बैंक क शाखा एहि माह खुलत जेकर बाद कोनो एहन प्रखंड नहि बचत जतय बैंक क शाखा नहि रहत। उप मुख्यमंत्री कहला जे बैंक लड़की कए शैक्षणिक ऋ ण क ब्याज पर एक प्रतिशत छूट देबाक निर्णय लेलक अछि। ओ कहला जे सरकार क दबाव पर शैक्षणिक ऋण देबाक मामला मे सेहो बैंक अपन स्थिति मे सुधार कैलक अछि।