दरभंगा। दरभंगा नगर बस सेवा क किराया निर्धारित करि देल गेल। निगम आ बस मालिक द्वारा तय भाड़ा क अनुसार एकटा पड़ाव क किराया तीन टका होएत। अर्थात सिटी बस सेवाक न्यूनतम भाडा तीन टका राखल गेल अछि। जखन कि अधिकतम भाडा राजकुमारगंज स बहेड़ी मार्ग पर 22टका राखल गेल अछि। तय किरायाक तहत बस स्टैंड स रेलवे स्टेशन पांच टका मे पहुंचल जा सकैत अछि। तेजस्वी आटो मोबाइल के क रिंकू झा क अनुसार बसक कमी कए जल्द दूर करि देल जाएत। ओ कहला अछि जे अगिला साल तक बस क संख्या बढ़ा देल जाएत। ज्ञात हुए जे एखन शहरी क्षेत्र में जे बस चलि रहल अछि ओहि स यात्री क जरूरत पूरा नहि भ पाबि रहल अछि।
कहां से कहां तक किराया
कादिराबाद – रेलवे स्टेशन 5
कादिराबाद – दोनार/अललपट्टी 7
कादिराबाद – बेंता/ लहेरियासराय 10
रेलवे स्टेशन- दोनार 3
रेलवे स्टेशन- अललपट्टी 5
रेलवे स्टेशन- बेंता/लहेरियासराय 7
दोनार – अललपट्टी 3
दोनार बेंता/ लहेरियासराय 5
राजकुमारगंज – रेलवे स्टेशन 3
राजकुमारगंज – दोनार/अललपट्टी 5
राजकुमारगंज बेंता/ लहेरियासराय 7
राजकुमारगंज – सुरहाचट्टी 14
राजकुमारगंज – बहेड़ी 22
सिमरी – कादिराबाद 7
सिमरी – स्टेशन/ दोनार 10
सिमरी – अललपट्टी 12
सिमरी -बेंता/ल. सराय 15
सिमरी – सुरहाचट्टी 20
nice 1 good going