नई दिल्ली । बिहार क चुनावी बेला मे कांग्रेस क अगुआई वाला केंद्र सरकार कए भले इ समाद नागवार लागए, मुदा इ सच अछि जे बिहार मे मुस्लिम लड़की क कल्याण लेल चलाउल जा रहल योजना ‘हुनर’ पर खुद केंद्र सरकार फिदा अछि। एतबे नहि, एहि मॉडल कए अपनेबा क पैरवी खुद कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी कए रहल छथि। मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल क मौजूदगी मे मंत्रालय अपन अंदरूनी बैठक मे एहि योजना क सफल क्रियान्वयन कए न सिर्फ सराहलक अछि, बल्कि हुनकर मंशा एकर पुर्नसरचना करिकए राष्ट्रीय स्तर पर अपनेबाक अछि।
ज्ञात हुए जे बिहार मे इ योजना राज्य सरकार क दिस स मानव संसाधन मंत्रालय क आनुषंगिक संगठन नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ ओपन स्कूलिंग, एनआईओएस क सहयोग स चलाउल जा रहल अछि। योजना क तहत मुस्लिम लड़की कए कई तरह क प्रशिक्षण देल जाइत अछि। प्रशिक्षण पूरा भेलाक बाद हुनका सिलाई क मशीन सन उपकरण खरीदबा लेल 2500 टका सेहो देल जाइत अछि। एहि योजना स एखन धरि कई हजार मुस्लिम लड़की क मुंह पर मुस्कान बिखरल अछि।
नीतीश सरकार एहि कार्यक्रम क भांति एकटा अन्य योजना आओर लागू करिकए मुस्लिम क संग-संग महादलित आ राज्य क अन्य वंचित तबका क लड़की लेल योजना कए विस्तारित करिकए पहुंचेबा क कोशिश केने अछि। समदियाक कहब अछि जे बिहार सरकार क इ योजना कामयाबी क झंडा गाड़ि रहल अछि। लिहाजा मानव संसाधन मंत्रालय क पिछला बैठक मे अल्पसंख्यक लड़की क लेल एहि योजना क जिक्र करैत सिब्बल कहल जे बिहार मे चलाउल जा रहल एहि योजना कए सुविधा क मुताबिक स्ट्रक्चर करिकए एकरा मानव संसाधन मंत्रालय सेहो अपना सकैत अछि।
ज्ञात हुए जे बिहार मे हुनर योजना मे मुस्लिम कल्याण स जुड़ल आओर एहि समुदाय मे लोकप्रिय संगठन कए भागीदार बनाउल गेल अछि। बिहार सरकार एहि योजना कए अल्पसंख्यक तबका मे राज्य सरकार क विश्वास बहाली क लेल पैघ डेग मानैत अछि। समदियाक कहब अछि जे योजना क सफल संचालन मे नीतीश सरकार क खासा योगदान अछि, मुदा क्रेडिट लेबाक मामला मे मानव संसाधन मंत्रालय सेहो पाछु नहि रहय चाहैत अछि। मंत्रालय क आधिकारिक सूत्र क कहब अछि जे मानव संसाधन मंत्रालय क तहत काज करनिहार एनआईओएस योजना कए सफल तरीका स लागू करबा मे अहम भूमिका निभा रहल अछि, लिहाजा एहि मॉडल कए राष्ट्रीय स्तर पर आओर बेहतर बनाकए शुरू करबाक विचार पर मंथन शुरू भ चुकल अछि।