पटना। राज्य सरकार 1975 बैच क बिहार कैडर क आईपीएस आ डीजी होमगार्ड नीलमणि कए नव पुलिस महानिदेशक बनेबाक निर्णय लेलक अछि। ओ प्रदेश क 47म पुलिस प्रमुख हेताह। गृह विभाग एहि संबंध मे अधिसूचना जारी करि देलक अछि। एक मार्च क प्रभाव स हिनकर पोस्टिंग कैल गेल अछि। 31 अगस्त, 2011 तक हिनकर सेवा अछि। यानी डेढ़ साल सेवा करबाक भरपूर मौका अछि। नीलमणि 1973 बैच क मनोज नाथ आ 1974 बैच क जेके खन्ना कए लांघैत डीजीपी क कुर्सी पर आसीन भ रहल छथि। नीलमणि पुलिस महानिदेशक आनंद शंकर स प्रभार ग्रहण करताह। 1977 सहायक पुलिस अधीक्षक मुजफ्फरपुर स सेवा प्रारंभ करनिहार नीलमणि अपर महानिदेशक निगरानी, एडीजी मुख्यालय, आईजी मुख्यालय, आईजी ऑपरेशन, विशेष शाखा मे आईजी सुरक्षा, आईजी पटना, डीआईजी मगध क सहित विभिन्न महत्वपूर्ण पद पर पदस्थापित रहलाह अछि। सेवा क दौरान इ सराहनीय आ अति विशिष्ट सेवा पदक स सेहो नवाजल जा चुकल छथि। 1982 स 1990 क बीच इ लगातार वैशाली, दरभंगा, सारण, भागलपुर, मधुबनी मे एसपी क पद पर काज करैत रहलाह। नीलमणि तीनटा मेडल आ गणित मे रिकार्ड अंक क संग गोरखपुर विश्वविद्यालय स बीएसपी क परीक्षा प्रथम श्रेणी स पास केलाक बाद बीएचयू स एमएससी भौतिकी क परीक्षा मे मेडल क संग प्रथम स्थान प्राप्त केलथि। संगहि इ आईआईटी परीक्षा मे 1968 मे तेसर स्थान हासिल केलथि।
डीजीपी बनेबाक सूचना भेटला पर नीलमणि कए आज पुरान गप मन पड़ल, कहला-पापा कहैत छलाह जे एसपी बनि जाउ त काफी नीक होएत। हमर पिताजी ज्यूडिशियल मजिस्ट्रेट छलाह। अक्सर दौरा पर जाइत छलाह आ जखन लौटैत छलाह त कहैत छलाह जे तों एसपी बनि जो। पापा क सपना सच भेल पर ओ देखि नहि सकलाह। नीलमणि क माइ क निधन सेहो काफी छोट बैस मे भ गेल। आइ स्वभाविक तौर पर परिवार मे खुशी क क्षण अछि। बुद्धा कॉलोनी मे एहि संयुक्त परिवार क मुखिया कए शुभकामना देबा लेल लोकक कतार अछि। नीलमणि कहैत छथि-बस नीक लगैत अछि, अपन परिवार कए एना खुश देखिकए। हुनकर अपन दूटा संतान अछि। बेटी दिल्ली मे पढै़त छैन आ बेटा पुणे मे।