काठमांडू। करीब चार दशक स नेपाल मे व्यापारिक एकाधिकार क आनंद उठा रहल भारत क सार्वजनिक क्षेत्र क कंपनी इंडियन ऑयल कारपोरेशन (आईओसी) क साम्राज्य कए आब चुनौती भेटए वाला अछि। सरकार आब निजी कंपनी स सेहो गैस आ तेल क आयात करबाक लेल कदम बढ़ेबाक कहलक अछि। नेपाल क वाणिज्य आ आपूर्ति मंत्री कहलथि जे सरकार भारत सरकार कए आईओसी आ नेपाल क सरकारी कंपनी नेपाल तेल निगम (एनओसी) क बीच भेल समझौता क समीक्षा क लेल पत्र सेहो लिखलक अछि। एहि स भारत मे तेल आ गैस बेचएवाला अन्य कंपनी कए सेहो नेपाल स व्यापार क छूट भेटत। मंत्री कहलथि जे नेपाल सरकार गैस आ तेल दूनू क्षेत्र मे निजी कंपनी कए व्यापार करबाक अनुमति देबाक फैसला केलक अछि। नेपाल मे गैस आयात आ बिक्री क नियम कए तैयार करि लेल गेल अछि आ तेल आयात क नियम कए तैयार कएल जा रहल अछि। एनओसी आ आईओसी क बीच भेल समझौता क अनुसार नेपाली कंपनी केवल आईओसी स तेल आ गैस खरीदत आ नेपाल मे ओकरा अन्य कोनो कंपनी कए नहि बेचत।