सुनील कुमार झा
नई दिल्ली। जल्दहि बिहार सूचना प्रोद्यौगिकी आ आईटी क्षेत्र मे देशक अग्रणी राज्य मे शामिल होएत। एहि सपना कए साकार करबा लेल पिछला सप्ताह सॉफ्टवेयर आओर सेवा कंपनीक राष्ट्रीय संघ नैसकॉम क प्रतिनिधि पटना आयल छलाह। ओ बिहार सरकार संग अपन प्रोजेक्ट साझा केलथि। सूत्रक कहब अछि जे एहि बैसार मे सकारातमक गप भेल आ आइटी हब क निर्माण मे निर्णाक बढत भेटल। एही सम्बन्ध मे नैसकॉमक चेयरमेन कौंसिलक सदस्य डॉ गणेश नटराजन बिहारक उपमुख्यमंत्री आ सूचना विभागक सचिव अरुण कुमार सिंह स विस्तार स चर्चा केलथि अछि। नटराजनक अनुसार एखन भारत मे सॉफ्टवेरक बाज़ार 60 बिलियन डॉलर क अछि। मुदा एहि जरूरतक अनुसार संसाधन उपलब्ध नहि अछि, आ अगर अछि त ओ खाली किछु गिनल गुनल शहर मे छै। हुनकर अनुसार स अगर देखल जाए त सॉफ्टवेर उद्योग एखन भारत क खाली पाँच टा राज्य – कर्णाटक, आँध्रप्रदेश, महाराष्ट्र, तमिलनाडु, आ राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे अछि। ओ कहला जे हम सब सोचि रहल छी जे भारत क दोसर आ तेसर टियरक शहर मे आईटी हब विकसित कैल जाए एहि लेल हम एकटा ‘आईटी-एको सिस्टम’ क कोंसेप्ट अनलहुं अछि। ई कांसेप्ट मूल रूप स कौशल आओर सॉफ्टवेर विकासक बुनियादी ढांचाक विकासक योजना अछि।
नटराजन उपमुख्यमंत्री आ बिहारक ऑफिसरक तारीफ़ करैत कहलाह जे उपमुख्यमंत्री दिस स हमरा सबहक नीक प्रतिक्रिया भेटल अछि। ओ हमरा स आईटी उद्योग क वर्तमान स्थिति आऔर भविष्य क आवश्यकताक बारे मे जानकारी लेलथि। एकरा अलवा हमरा स खाली कार्य योजना क बारे मे पूछल गेल। हुनकर अनुसार कुशल जनशक्तिक उपलब्धता आईटी क्षेत्र मे वृद्धि कए सकैत अछि आ आईटीएस आ इंजिनीयरिंग कंपनी राज्य मे आबि सकैत अछि।
एही बैसार मे जीटीटी(ग्लोबल टैलेंट ट्रेक) क अध्यक्ष सोव्प्रिया मुखर्जी सेहो आयल छलथि। हुनकर अनुसार राज्य सरकार क संग मिलि कए हम कुशल आ प्रशिक्षित जनशक्ति क बीच एकटा पुल क काज करब। हुनकर अनुसार कोनो राज्य मे सॉफ्टवेर उद्योग क विकास लेल इ पहिल डेग होइत अछि। मुखर्जी कहलथि जे राज्यक संग मिलकए हम आकांक्षी छात्रक प्रशिक्षित करब आ भावी उद्योग क लेल तैयार करब। ओ कहलथि जे जम्मू-कश्मीर आ असम मे एहन प्रयोग काफी सफल रहल अछि आब बिहारक बारी अछि।
बिहार सरकारक और नेस्कॉम के इ प्रयास सराहनीय अछि ! हमर सबहक सपना अछि जे अप्पन गाम घर के आस पास रहैत अपन व्यवसाय क सकी अगर इ प्रयास सफल रहत त एक दिन हमरो सबहक सपना साकार होयत
कंचन झा
http://www.eservices-india.com