हाजीपुर। बिहार एक बेर फेर देश कए बाट देखेबाक काज केलक अछि। बिहार देशक एहन पहिल राज्य भ रहल अछि जतय पंचायत सरकार क गठन होएत। केन्द्र आ राज्य मे जेना सरकार चलैत अछि तहिना पंचायत मे सेहो चलत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि गप क घोषणा करैत कहला जे केन्द्र क मदद क बिना हम जे सपना देखल अछि ओकरा साकार करबाक कोशिश शुरू करि देलहुं अछि। बिहार मे कुल 8463 पंचायत अछि जाहि मे पंचायत सरकार क सपना जल्द साकार होएत। 13म वित्त आयोग क राशि आ विश्व बैंक क मदद स केन्द्र आ राज्य क भांति पंचायत मे सचिवालय बनेबाक दिशा मे कार्रवाई शुरू करि देल गेल अछि। दो हजार पंचायत मे भवन बनेबा लेल राशि देल जा चुकल अछि, शेष बचल पंचायत कए सेहो राशि देल जा रहल अछि। पंचायत सचिवालय मे सबटा पंचायत प्रतिनिधि क बैसबाक इंतजाम होएत आ सब गोटे मिल कए विकास क मार्ग प्रशस्त करताह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार इ घोषणा गणतंत्र क पवित्र धरती वैशाली क हाजीपुर प्रखंड क विशनपुर बसंत उर्फ शुभई पंचायत मे लागल ग्रामसभा मे कहलाह। ग्रामसभा मे अपन उपस्थिति दर्ज करा कए प्रदेश क मुख्यमंत्री एकटा नव इतिहास रचि देलाह। नीतीश कुमार देश क पहिल मुख्यमंत्री भ गेलाह अछि जे विकास क पहिल सीढ़ी ग्राम पंचायत क ग्रामसभा मे हिस्सा लेलथि अछि। नीतीशक एहि पहल कए सत्ता क विकेन्द्रीकरण क दिशा मे एकटा पैघ डेग मानल जा सकैत अछि। महात्मा गांधी क जयंती पर हुनक सपना ग्राम सभा कए मजबूत करबा लेल नीतीशक इ डेग आन राज्य लेल एकटा बाट खोललक अछि। ओ कहला जे बापू ग्राम स्वराज क सपना देखने छलाह, गांधी क सपना कए साकार करबा इ शुरूआत छी। हालांकि पंचायत सरकार क हिनकर सपना कए साकार करबा मे केन्द्र क रवैया पर मुख्यमंत्री दुख व्यक्त करैत कहला जे अपन मजबूत इरादा स ओ बहुत एहन काज केलाह अछि जाहि मे केंद्र पहिने विरोध केलक आ बाद मे ओकरा अपनेबा लेल मजबूर भेल। एक बेर फेर हम अपन दम पर बापूक सपना कए साकार करब आ इ काज सेहो केद्र बिहार स सीखत।