आरती क संग-संग पूजा क विधि सेहो देखबाक भेटत मौका
रिंकू झा
पटना । हिंदी मे एकटा कहावत अछि, प्यासा कुआं के पास जाता है, न कि कुआं प्यासा के पास आता है।Ó, मुदा टेक्नोलॉजी क एहि युग मे इ गप झूठ भ गेल अछि। आब भगवान क लग जेबा लेल अहां कए मंदिर या कोनो धर्मस्थल पर जेबाक जरूरत नहि अछि। बस एक क्लिक करू आ भगवान छथि हाजिर। जी हां, पटना महावीर मंदिर मे किछु एहने हुए जा रहल अछि। मंदिर जेबा लेल अहां कए न भीड़ क सामना करै पड़त आ न कतार मे घंटो लागए पड़त। अहां लेल पटना महावीर मंदिर कए आन लाइन कैल जा रहल अछि। छह माह क बाद नेटक माध्यम स अहां घर बैसल भगवान क दर्शन करि सकब।
‘दर्शनÓ मे भेटताह भगवान
पटना स्टेशन पर जोड़ी मे मौजूद भगवान हनुमान क दर्शन क लेल दूर-दूर स लोक अबैत अछि। मंदिर मे बढैत भीड़ कए देखैत मंदिर क प्रबंधन समितिक सदस्य भवनाथ झा कहला जे एखन मंदिर क बेवसाइट बनाउल जा रहल अछि। जाहिमे भगवान हनुमान क मंदिर क तस्वीर क संग-संग सबटा भगवान क सेहो तस्वीर देखाउल जाएत। ओ कहला जे बेवसाइट पर मंदिर मे होइवाला 15 मिनट क आरती ‘आरती किजै हनुमान लला की…Ó सेहेा लोक देख सुनि सकत।
नैवेद्यम क भ सकत ऑन लाइन बुकिंग
पटना हनुमान मंदिर क नैवेदयम क चर्चा देश-विदेश मे अछि। एखन इ नैवेद्यम मात्र मंदिर परिसर मे एला पर भेटैत अछि, मुदा आब नैवेद्यम क लेल मंदिर एबाकजरूरत नहि रहत। आब अहां ऑन लाइन नैवेद्यम क खरीदारी करि सकब। एहि संबंध मे झा कहला जे महावीर मंदिर पटना डॉट ओआरजी क नाम स बनि रहल एहि बेवसाइट पर पूजा क विधि सेहो देखाउल जाएत।