पटना। पटना (पेसू) आओर मुजफ्फरपुर शहर कए फ्रेंचाईजी पर लेबा लेल एस्सार पावर कंपनी आगू आयल अछि, जखनकि भागलपुर आओर गया क बिजली आपूर्ति कए फ्रेंचाइजी पर लेने मे एकोटा कंपनी रूचि नहि देखेलक। एकटा कंपनी क निविदा देबाक कारण स आगूक प्रक्रिया शुरू नहि भ सकल अछि। आब इ मामला बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क बोर्ड क बैठक मे जाएत। बोर्ड चाहे त पटना आओर मुजफ्फरपुर शहर क बिजली आपूर्ति व्यवस्था एस्सार कंपनी कए सौंप सकैत अछि। तकनीकि टेंडर खोलबा लेल कमेटी बैसल छलमुदा एकटा कंपनी क चलते आगू क कार्रवाई नहि भ सकल। भागलपुर आ गया कए फ्रेंचाइजी पर देबा लेल पुन: प्रक्रिया शुरू होएत। चारू शहर कए फ्रेंचाइजी पर देबा क प्रक्रिया वर्ष 2008 मे शुरू भेल छल। एक बेर तीनटा कंपनी मे स एकटा कए देनाइ तय सेहो भ गेल छल, मुदा राजस्व क गलत आंकड़ा क चलते रद्द करए पडि गेल। एहिना कई बेर बाधा उत्पन्न भेल। भेटल जानकारी क अनुसार ऊर्जा विभाग आओर बिहार राज्य विद्युत बोर्ड चारू शहर कए फ्रेंचाइजी पर देबा क अंतिम फैसला ल चुकल अछि।