• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना मे बुकिंग भेलाक बावजूद नहि भ सकल कार क डिलीवरी

November 4, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। धनतेरस पर कार बाजार खास रफ्तार मे रहल। पटनाक लोक आब खुली कए कार खरीद रहल छथ‍ि। पिछला किछु साल पहिने तक पटनाक लोक कार लेबा स कतरा जाइत छल, मुदा आइ स्थिति इ अछि जे कार लेनिहार बेसी आ शोरूम मे कार कम पडि गेल अछि। पटना मे बुकिंग भेलाक बावजूद धनतेरस दिन लोक कए दरबाजा पर कार नहि लागी सकल। राजधानीक अधिकतर शोरूमक मालिक कार क डिलीवरी देबा मे असमर्थ रहलाह आ छठ तक डिलीवरी करबाक गप कहला अछि। जानकारीक अनुसार बुकिंग करेलाक बावजूद 500 स बेसी गोटे कए कार घर तक नहि पहुंच सकल। मारुति, हुंडई, टाटा मोटर्स, जीएम मोटर्स, फिएट आ महिन्द्रा एंड महिन्द्रा क शोरूम क जरिए केवल पटना मे कुल 2134 गाड़ी क बुकिंग भेल छल। एहि तरह स करीब 92 करोड़ टका क कारोबार भेल। पिछला साल धनतेरस पर 1300 कार क बुकिंग भेल छल। एहि तरह स पिछला साल क मुकाबला मे 834टा कार क लेल बेसी बुकिंग भेल। शहर मे मारुति क तीनटा शोरूम अछि। एहि मे वाउज आटोमाबाइल मे 500, अलंकार मोटर्स मे 170 आ कारलो आटोमाबाइल्स मे 300 कार क बुकिंग भेल छल। मुदा सबकए डिलीवरी नहि भ सकल। वाउज आटोमोबाइल्स क एमडी डाक्टर राकेश प्रसाद सिंह कहला जे 250टा ग्राहक कए ओ कार नहि द सकलाह। कारलो आटोमोबाइल्स क बिक्री प्रबंधक केसी गुप्ता कहला जे आल्टो क मांग सबस बेसी रहल। अलंकार मोटर्स क एमडी विंग कमांडर नरेन्द्र सिंह कहला जे आल्टो क बाद वैगन आर कए खूब समर्थन भेटल। जीएम मोटर्स क डीलर पाण्डेय मोटर्स क जरिए कुल 329 कार क बुकिंग केलक। शोरूम प्रबंधक प्रमोद शर्मा कहला जे स्पार्क, बीट आ तवेरा माडल क जोरदार मांग रहल। मुदा हम केवल 235टा ग्राहक कए डिलीवरी दे सकलहुं। महिन्द्रा क तीनटा शोरूम क जरिए कुल 300 गाड़ी क बुकिंग भेल। एरिया सेल्स मैनेजर दीपक सिन्हा कहला जे किछु ग्राहक कए डिलीवरी नहि द सकलहु। आस्था मोटर्स क जरिए 100, गिन्नी मोटर्स क जरिए 140 आ शंकर मोटर्स (एमयूवी) क जरिए 30 गाड़ी क बुकिंग भेल। आस्था मोटर्स क एसएस कादरी, गिन्नी मोटर्स क एमएन मुर्तजा क मुताबिक इंडिगो पर ग्राहक खास मेहरबान रहलाह। टैरेटेरी मैनेजर प्रशांत क मुताबिक फिएट क लेल कुल 15 बुकिंग भेल। हुंइर्ड कंपनी क दूटा शोरूम क जरिए कुल 250 कार क बुकिंग भेल। क्रिश हुंडई क अमित गुप्ता कहला जे छठ तक शेष ग्राहक कए डिलीवरी द देल जाएत। आशियाना हुंडई क अशोक पटनायक कहला जे हमर शोरूम क जरिए 50टा कार क बुकिंग छल, जाहि मे आई-10 क सर्वाधिक मांग रहल।

Tags: carpatna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

अंतिम दूनू चरण मे भेटत ब‍िहारक बदरंग राजनीति

Esamaad Epaper Website

एकटा आओर क्रिकेटर पलायन लेल तैयार

नालंदाक बाद आब विक्रमशिला पर ध्यान, संरक्षित होएत धरोहर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि