पटना। गणतंत्र दिवस क मौका पर पर्यटन विभाग पटनाक लोक संग देश कए गंगा क दियारा मे फूड प्लाजा उपलब्ध करा देलक अछि। आब अगिला मास स लोककए एहि ठाम रेगिस्तानी जहाज ऊंट क सवारी क सुविधा सेहो भेटत। पर्यटन विभाग क निदेशक विनय कुमार क अनुसार एखन शुरुआत भरि अछि, आगू चलकरि दियारा कए एहन विकसित कैल जाएत जे लोक एहि ठाम एबा लेल मजबूर भ जाएत। लोक कए एहि ठाम मनोरंजन क कईटा साधन उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। दियारा क लेल प्रतिदिन गांधीघाट स फ्लोटिंग रेस्तरां 11.00 बजे, 12.30 बजे आ 1.30 बजे खुलत। एकर बाद सांझ कए तीन बजे दियारा पर गेल लोक कए वापस आनल जाएत। एकरा लेल फ्लोटिंग रेस्तरां 50 टका किराया लेत। जखनकि प्रतिदिन क तरह फ्लोटिंग रेस्तरां मात्र गंगा क सैर शाम 3.30 बजे स कराउत। गंगा क दियारा मे पांचटा झोपड़ी नुमा हाट बनाउल गेल अछि। चारिटा झोपड़ी लोक लेल आ एकटा झोपड़ी मे फूड प्लाजा खोलल गेल अछि। फूड प्लाजा मे लोक कए चाउमिन, समोसा, चिप्स, मोमो, कोल्ड ड्रिंक, काफी, चाय आ बिस्कुट भेटत। ओतही मनोरंजन लेल वालीबाल, फ्लाइंग डीस, रिंग आदि क व्यवस्था अछि।