प्रशांत सिन्हा
पटना । बिहार मे यूआइडी (यूनिक आइडेंटिफिकेशन) कार्ड आइ स बनब शुरू भ गेल। एहि लेल डाकघर मे लंबा कतार लागल अछि। डाक घर मे इ मुफ्त मे बनाउल जा रहल अछि। एकर शुरुआत पटना क जीपीओ मे भेल। जीपीओ आ बांकीपुर डाकघर स शुरुआत क बाद प्रथम फेज मे राज्य क 40टा प्रधान डाकघर आओर दोसर फेज मे 160टा डाकघर मे यूआइडी बनत।
यूआइडी कार्ड बनेबा लेल व्यक्ति क नाम, पता, पिता-माता/अभिभावक क नाम, जन्मतिथि, उम्र, लिंग, आवासीय पता, फोन/मोबाइल नंबर, बैंक एकाउंट क नंबर आदि भरबाक अछि। फॉर्म‘यूआइडी डॉट एनआइसी डॉट इन’ स सेहो डाउनलोड कए सकैत छी, मुदा ओकरा जमा करबा लेल आ कार्ड बनेबाक लेल डाकघर जेबाक जरूरी अछि। ओहि ठाम अहांक चेहरा क फोटो लेल जाएत, दूनू हाथक दस टा अंगुरी क प्रिंट दूनू आंखिक फोटो सेहो लेल जाएत। एकर अलावा एहि कार्ड बनेबा लेल आवेदक लग मे अपन निवास स्थान क कोना आइडी प्रूफ होएब अनिवार्य अछि। अगर अपन कोनो आइडी प्रूफ नहि अछि त मुखिया, सरपंच या कोनो एहन व्यक्ति क जिनकर पहचानपत्र हुए, ओकर छाया प्रति क आधार पर कार्ड बनाउल जाएत। एकरा लेल लिए कार्डधारक स आवेदन पत्र पर हस्ताक्षर करबाउल जाएत।
इ कार्ड बनलाक बाद भारत मे व्यक्ति क पहचान यूआइडी पर अंकित विशेष नंबर स होएत। कार्ड पर 16 डिजिट क नंबर होएतजाहि मे अंगरेजी क शब्द आ अंक क गणितीय नंबर देल रहत। एहि नंबर स व्यक्ति क पहचान होएत। इ नंबर रैंडम होएत। एक-दोसर क सीरियल स मेल नहि होएत।
मोबाइल कनेक्शन लेबा लेल, गैस कनेक्शन लेबा लेल या बैंक एकाउंट आदि खोलेबाक लेल सिस्टम मे नंबर देला पर व्यक्ति क बारे मे तमाम तरह क जानकारी मिनट मे भेट जाएत।
यूआइडी कार्ड एक्सेस करबा लेल बिहार क सबटा मोबाइल कंपनी, एलपीजी कंपनी आ 60टा बैंक स गप भ चुकल अछि। जुलाई स एहि सब ठाम कार्ड क उपयोग भ सकत। एकरा पूरा देश क सर्विस प्रोवाइडर निजी आ सरकारी संस्थान स इंटरलिंक कैल जा रहल अछि। नरेगा आ समाज कल्याण योजना कए सेहो एकरा स जोडल जा रहल अछि।
Bahut badhiya samachar…
UID NO.12 DIGIT KE NUMERIC NUMBER NO HOIT AICH NAI KI ALFANUMERIC JE
RENDUMLY GENERATE HOIT AICH
PRASHANT SIR,
AHI SENTENCE KE PUNARMULAYANKAN KA K SNSODHAN K DEBAY
UID KE PRACHAR PRASAR KA K SAMAST NAGRIC KE JAGRUK
KARBAK K LEL DHANYABAD