• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पटना मोनो रेल कोरिडोर लेल फाइनल प्रस्ताव तैयार

September 17, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। महानगर बनबा लेल अग्रसर बिहारक राजधानी पटना मे सार्वजनिक यातायात कए आधुनिक आ सुलभ रूप देबाक योजना जमीन पर उतरबा लेल तैयार भ गेल अछि। देश मे मुंबई कए बाद पटना दोसर शहर बनत जाहि ठाम मोनो रेल दौड़त। योजना पर ठीक स काज हुए त 2015 धरि मोनो रेल बनि कए तैयार भ जाएत। बिहार सरकार एकरा लेल अपन सहमति द देने छल, रेलवे सेहो एकरा लेल अपन सहमति प्रदान करि देने अछि। पिछला दू साल स एहि दिसा मे भ रहल प्रयास आब जमीन पर उतरबा लेल लगभग तैयार अछि। एकरा लेल मार्च 2009 मे रेलवे क इकाई राइट्स टेक्नो इकोनोमिक फिजिबिलिटी स्टडी कए काज सौपल गेल छल। राज्य सरकार क संग विमर्श क बाद राइट्स मोनो रेल कोरिडोर लेल फाइनल प्रस्ताव तैयार करि देलक अछि। एहि लेल चारिटा एलायनमेंट तैयार कैल गेल अछि। दू फेज मे काज पूरा करबाक प्रस्ताव अछि। चारिम एलायनमेंट फेज-2 क हिस्सा अछि। राज्य सरकार क सहमति भेटलाक बाद एहि पर काम आगू बढत। राज्‍य सरकार स एहि संबंध मे शीघ्र फेसला लेबा लेल पूर्व मध्य रेलवे पिछला मास एकटा पत्र लिखलक अछि, जाहि मे मोनो रेल क फाइनल प्रस्ताव क उल्लेख अछि। रेल मंत्रालय पटना मोनो रेल लेल संभाव्यता रिपोर्ट क अध्ययन करि रहल अछि।
एहि संबंध मे इ’समाद पहिनो बता चुकल अछि जे जून 2010 मे मुख्य सचिव क समक्ष प्रेजेंटेशन भ चुकल अछि। दरअसल पटना मे मोनो रेल परियोजनाक परिकल्‍पना शहर मे यातायात क बढैत दबाव आ कम चौडा सडक कए देखैत कैल गेल अछि। एहि संबंध मे अधिकारीक कहब अछि जे पटना क सड़क कए आओर बेसी चौड़ा करब संभव नहि अछि, जाहि स यातायातक गंभीर समस्या उत्पन्न भ सकैत अछि। एहन मे मोनो रेल कए पटना मे अनला स काफी हद त समस्या क निदान भ सकैत अछि। पटनाक किछु मुख्य सडक क रोड डिवाइडर पर पिलर बनाकए ओकर उपर मोनो रेल चलाएल जाएत। रेल मंत्रालय एकरा लेल पटना जंक्शन स पटना क मुख्य इलाक कए जोड़िनहार चारि टा सडक पर ट्रैक क निर्माण करबाक योजना कए अंतिम रूप द देलक अछि।
मोनो रेल फिलहाल अमेरिका, जर्मनी, जापान, मलेशिया सन देश मे काफी लोकप्रिय अछि। इ रेल कम लागत, प्रदूषण मु्क्त, हल्का आ तीव्र गति स चलैत अछि। एहि मामला मे पथ निर्माण मंत्री प्रेम कुमार कहला जे पटना क आबादी कए देखैत सरकार मोनो रेल परियोजना पर काम करब शुरु करि देलक अछि।

Tags: Biharmetromono railpatna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

युधिष्ठिर जुनि बनू नीतीश

Esamaad Epaper Website

शूट विद कैमरा नॉट विद वेपन

Esamaad Epaper Website

माई-बाप क उपेक्षा करब त जायब जेल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि