मुजफ्फरपुर। दरभंगा आओर पूर्णिया जेकां पताही हवाई अड्डा सेहो बनत एयर बेस स्टेशन। नेपाल स लगैत भारतीय सीमा क सुरक्षा आओर मजबूत करबा लेल इ फैसला लेल जा रहल अछि। एहि क्रम मे मुजफ्फरपुर स्थित पताही हवाई अड्डे कए एयर बेस स्टेशन क रूप मे विकसित कैल जाएत। सबकिछु ठीक रहल त बहुत जल्द एहि ठाम स सेना क आधुनिक लड़ाकू विमान उड़ान भरत। एकरा लेल हवाई अड्डे क विस्तार सेहो कैल जाएत। सेना द्वारा भू अर्जन क लेल जिला प्रशासन कए प्रस्ताव पठा देल गेल अछि। अधिकारिक सूत्रक कहब अछि जे जमीन क भौतिक सत्यापन लेल अपर समाहर्ता सुधीर कुमार सिंह आ टेरिटोरियल आर्मी (टीए) क ले. कर्नल बत्रा पताही हवाई अड्डे क निरीक्षण केलथि। हुनकर मौजूदगी मे यूएसवी एयरवेज क तकनीशियन हवाई अड्डे क लंबाई आओर चौड़ाई क मापी केलक। एकरा लेल जिला प्रशासन कए अस्सी एकड़ भूमि अधिग्रहण करबाक प्रस्ताव देल गेल अछि। प्रस्ताव मे दू किमी रनवे क जिक्र अछि। एहि ठाम उत्तर बंगाल कए बागडोगरा सैन्य हवाई अड्डा क भांति सुविधा उपलब्ध करेबाक गप कहल जा रहल अछि। अपर समाहर्ता अधिगृहीत हाइवाला जमीन क ब्योरा तैयार करबा लेल संयुक्त रूप स डीसीएलआर पूर्वी आ पश्चिमी कए निर्देश देलथि अछि। अपर समाहर्ता सुधीर कुमार कहला जे 151 टीए क अधिकारी हवाई अड्डा क विस्तार क लेल जमीन क मांग केलथि अछि। ओ प्रशासन कए स्कैप मैप देलथि अछि, जाहि पर हुनका रिवेन्यू मैप देबा लेल कहल गेल अछि। ओ मैप भेटला पर भू अर्जन क प्रक्रिया शुरू करि देल जाएत। ज्ञात हुए जे बिहार मे पताही सन करीब 24 टा रनवे अछि जे राज्य सरकारक देखरेख मे अछि आ ओकर उपयोग केवल राज्य सरकारक विमान उतारबा लेल होइत अछि। एहि मे स कईटा रनवेक हालत बहुत खराब भ चुकल अछि, जखन कि कईटा छोट मोट मरम्मत क बाद पैघ विमान उतारबा लेल सेहो तैयार भ सकैत अछि।