पटना। पहिल अप्रैल स इंदिरा आवास क लेल 45 हजार टका देल जाइत। इ घोषणा ग्रामीण विकास मंत्री भगवान सिंह कुशवाहा केलथि अछि। कुशवाहा कहला जे पहिल अप्रैल स इंदिरा आवास क लाभुक क खात मे आब 35 क बदला मे 45 हजार टका जाएत। महीना क हर 30 तारीख कए शिविर लगाकए लाभुक क बीच पासबुक क वितरण कैल जाइत। ओ कहला जे 2008-2009 मे लक्ष्य क विरूद्ध 82.81 प्रतिशत इंदिरा आवास बनल। केन्द्र सरकार सेहो एकर सराहना करैत प्रदेश कए ग्रेड-1 क रैंक देलक अछि। चालू वित्तीय वर्ष मे 38.47 करोड़ क राशि भेटल अछि आ फरवरी माह तक 53 प्रतिशत काज भ गेल अछि। ओ स्वीकार केलथि जे नीचला स्तर पर भ्रष्टाचार छै आ सरकार शिकायत पर त्वरित कार्रवाई करि रहल अछि। 60 बीडीओ आ सीओ पर कार्रवाई क लेल कार्मिक विभाग कए अनुशंसा कैल गेल अछि। नरेगा क चर्चा करैत ओ कहला जे कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी प्रदेश मे 20 प्रतिशत राशि खर्च हेबाक दावा करैत छथि, मुदा केन्द्र सरकार 64 प्रतिशत राशि खर्च करबाक सर्टिफिकेट द रहल अछि। नरेगा मे भ्रष्टाचार क शिकायत कए गंभीरता स लैत 96टा अधिकारी आ कर्मचारी पर कार्रवाई भ चुकल अछि।