पटना। पहिल चरण क तहत विधानसभा क 47टा सीट क लेल चुनाव आयोग सोमदिन अधिसूचना जारी करि देलक। अधिसूचना जारी होइत पर्चा दाखिल करबाक प्रक्रिया आरंभ भ गेल। मुदा पहिल दिन एहि लेल कोनो उत्साह नहि देखल गेल। चारि अक्टूबर तक पर्चा दाखिल कैल जा सकत। जाहि 47टा सीट पर पहिल चरण मे 21 अक्टूबर कए मतदान हेबाक अछि ओकरा लेल विभिन्न राजनीतिक दल अपन सूची कए अंतिम रूप देबा मे लागल छथि। पर्चा क जांच पांच अक्टूबर कए कैल जाएत आओर सात अक्टूबर तक नाम वापस लेल जा सकैत अछि। 26 अक्टूबर तक पहिल चरण क चुनाव प्रक्रिया कए पूरा करि लेल जाएत। पहिल चरण क तहत जाहि 47टा सीट पर मतदान हेबाक अछि ओहि मे हरलाखी, बेनीपट्टी, खजौली, बाबूबरही, बिस्फी, मधुबनी, राजनगर (सु), झंझारपुर, फूलपरास, लौकहा, निर्मली, पिपरा, सुपौल, त्रिवेणीगंज (सु.), छातापुर, नरपतगंज, रानीगंज (सु), फारबिसगंद, अररिया, जोकीहाट, सिकटी, बहादुरगंज, ठाकुरगंज, किशनगंज, कोचाधामन, अमौर, वायसी, कस्बा, बनमनखी (सु), रुपौली, धमदाहा, पूर्णिया, कटिहार, कदवा, बलरामपुर, प्राणपुर, मनिहारी (सु), बरारी, कोढ़ा (सु), आलमनगर, बिहाीगंज, सिंहेश्वर (सु), मधेपुरा, सोनबरसा (सु), सहरसा, सिमरी बख्तियारपुर आओर महिषी शामिल अछि। एहि बेर बिहार मे चुनाव छह चरण मे भ रहल अछि।