• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पावरग्रिड कए बिहार स मोट कमाई क उम्मीद

August 21, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । बिहार मे बिजली क तेजी स बढै़त मांग कए देखैत सरकारी ट्रांसमिशन कंपनी, पावरग्रिड कॉर्पाेरेशन सेहो अपन नेटवर्क क तेज विकास मे जुटि गेल अछि। बीतल साल मे पावरग्रिड बिहार मे अपन कारोबार दोगुना करबा मे कामयाब रहल अछि। कंपनी क कहब अछि जे ओकरा एहि साल सेहो बिहार स मोट कमाई क उम्मीद अछि।
कंपनी क कार्यकारी निदेशक (बिहार-झारखंड) केके अग्रवाल एकटा अखबार कए देल साक्षत्कार मे कहला, बिहार हमरा लेल सबस तेजी स बढै़त बाजार अछि। हमरा एकरा स काफी उम्मीद अछि आ इ हमर उम्मीद पर खरा सेहो उतरि रहल अछि। एहि कारण स हम बीतल साल मे राज्य मे अपन कारोबार कए दोगुना करि लेलहुं अछि।
ओ कहला जे, हम एखन बिहार आ झारखंड स 3,577 करोड़ क कारोबार करि रहल छी। एकरा अगिला दू साल मे 8,246 करोड़ क स्तर पर ल जेबाक योजना अछि। हम एहि दूनू राज्य मे करीब 5,500 हजार किमी ट्रांसमिशन लाइंस क निर्माण करि लेलहुं अछि। अगिला दू साल मे हम 6,600 किमी ट्रांसमिशन लाइंस क निर्माण करब। एहि तरह स अगिला दू साल मे हमरा लग मे करीब 12 हजार किमी लंबा ट्रांसमिशन लाइंस भ जाएत। संगहि, हम 10टा सब स्टेशन क निर्माण सेहो कए रहल छी। एहि इलाका मे हमरा लग मे एखन 6,649 एमवीए क क्षमता अछि, जेकरा हम अगिला दू साल मे 13,600 एमवीए स बेसी करबाक कवायद मे जुटल छी। मतलब हम अगिला दू साल मे बेसी स बेसी बिजली क ट्रांसमिशन करबा मे कामयाब रहब। ओ कहला जे बिहार सरकार स काफी काज भेटल अछि। राज्य मे हम ट्रांसमिशन लाइंस पर काज कए रहल छी। संगहि हम कईटा सब स्टेशन सेहो बना रहल छी।
राज्य सरकार स भेट रहल मदद क सवाल पर कहला जे बिहार मे हमरा काज करबा मे कोनो प्रकारक दिक्कत नहि आबि रहल अछि। अधिकारी मदद कए रहल छथि आ राज्य मे एकटा नीक कारोबारी माहौल तैयार भ चुकल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

जखन लालू बनलाह प्रधानमंत्री

पृथक मिथिला राज्य क मांग पर प्रदर्शन

Esamaad Epaper Website

आब 65 मे सेवानिवृत्त हेताह प्रोफेसर साहब

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि