मुजफ्फरपुर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे पंचायत क दफ्तर सेहो प्रधानमंत्री कार्यालय क जेका अत्याधुनिक सुविधा स लैस होयत। एकरा लेल 13म वित्त आयोग स राशि मांगल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे विकास त सब क्षेत्र मे तेजी स भ रहल अछि, मुदा चारि वर्ष मे दशक क रोग ठीक नहि भ सकैत अछि। पंचायतीराज व्यवस्था कए मजबूत करबाक प्रक्रिया निरंतर चलि रहल अछि। ओ चाहैत छथि जे केन्द्र आ राज्य सरकार जेका पंचायत क सरकार सेहो काज करैे। एहि तर्ज पर पंचायत कार्यालय क निर्माण करेबाक रूपरेखा तैयार भेल अछि। सीएम कहला जे पंचायत मे एक स्थान पर मुखिया समेत सरपंच आ पंच क कार्यालय बनत। एहि मे हलका आ राजस्व कर्मचारी सेहो बैसताह। आपदा क समय उक्त भवन क आश्रय स्थल क रूप मे इस्तेमाल भ सकैत अछि। पंचायत भवन क निर्माण पर विश्व बैंक स भेटैयवाला छह हजार करोड़ क किछु भाग खर्च होयत। शेष क लेल 13म वित्त आयोग स अनुरोध कैल गेल अछि।
श्री कुमार ने कहला जे जनप्रतिनिधियों कए मतदाता सेवा क मौका दैत अछि। आइ बिहारक जनता दू सांझाक रोटी क लेल अन्य राज्य मे जलील भ रहल अछि। एहि ठाम गरीब सुहाग रात नहि मनबैत छथि, अगलिा दिन गाड़ी पकडि़कए महानगर चल जाइत दथि। किया कि बिहारवासी भीख नहि, मेहनत क बल पर कमा कए खाई मे विश्वास रखैत छथि।