पटना। अपन पुरख द्वारा निर्मित विरासत देख कए ब्रिटेन स आएल 18 टा पाहुन क खुशी कए ठिकाना नहि रहल। गोलघर क विस्तृत जानकारी लेबा क बाद ओ गोलघर क भीतर सेहो जाइ चाहैत छला, मुदा हुनका मायूस हुए पड़ल। पांडव क्रूज स 33 टा विदेशी पाहुन शुक्रदिन क भोर मे पटना पहुंचला। ब्रिटेन क 18, स्विजरलैंड क सात, अमेरिका क दू, जर्मनी क तीन, आस्ट्रेलिया क दू आ डेनमार्क क सैलानी राजधानी पहुंचल अछि। स्विरजलैंड क लिनियन कहला जे गंगा कात भ्रमण क आनंद अलग अनुभव अछि। ब्रिटेन क मैलकम गोलघर कए देख कए कहला ज इहां आबि कए खुशी भ रहल अछि। ओ गर्व स कहला जे हमर पूर्वज एकर निर्माण करैने छला। ब्रिटेन क जान, केडरिक आ एलिक्स कहला जे पांडव क्रूज स यात्रा क मुख्य मकसद बिहार भ्रमण करबाक अछि। कनाडा क पत्रकार डेविड कहला जे इहां क लोग अच्छा अछि।
विदेशी पाहुन क टोली गोलघर भ्रमण क बाद पटना म्यूजियम पहुंचला। एकर बाद सब टा पाहुन एतय स सड़क मार्ग स विश्व प्रसिद्ध हरिहर क्षेत्र पशु मेला क भ्रमण करै चलि पड़ला। विदेशी पाहुन क टोली मे गाइड सुमित भट्टाचार्य आ राजीव सलेमन आ पांडव क्रूज क राजवीर सिंह सेहो शामिल छला। पर्यटन निगम क तरफ स मनहरसती प्रसाद सेहो गाइड क भूमिका मे छला। एहि स पहिने विदेशी पाहुन जालान म्यूजियम कए भ्रमण केलाह। एकर बाद धनंजय पांडेय गु्रप क तरफ स पाहुन क लेल सांस्कृतिक कार्यक्रम पेश कएल गेल। तनु प्रकाश, सोनाली आ तुषार क नृत्य कए सब जमकर प्रशंसा केलाह।