पटना। पुल निगम क बाद बिस्कोमान दोसर निगम होएत जे घाटा स लाभ मे आबि जाएत। बिस्कोमान तेजी स लाभ दिस बढि रहल अछि। 24 साल बाद एहि साल बिस्कोमान अपन बजट तैयार केलक अछि। प्रशासक अमीता पाल आओर प्रबंध निदेशक सीके अनिल कए एहि लेल धन्यवाद देबाक चाही। इ दूनू पदाधिकारी वित्तीय वर्ष 2012-13 मे बिस्कोमान कए 20 लाख क मुनाफा मे ल जेबाक योजना तैयार केलथि अछि। बिस्कोमान एखन घाटा मे अछि। बिस्कोमान क प्रशासक अमिता पाल दावा केलथि अछि जे निगम बहुत जल्द मुनाफा मे आबि जाएत। 2012-13 मे 33.50 करोड़ टकाक आय हेबाक संभावना अछि, जखन कि प्रस्तावित व्यय मे 33.32 करोड़ टका खर्च होएत। 20 लाख टकाक मुनाफा होएब तय अछि। कागजी तौर पर त मुनाफा साफ देखा रहल अछि मुदा जमीनी तौर पर त मुनाफा अगिला बजटक दौरान पता चलत। बहरहाल इ त जरूर शुभ संकेत कहल जा सकैत अछि जे एक एक करि घाटा मे चलैत निगम सब मुनाफा दिस विदा भ चुकल अछि।