पूर्णिया। पूर्णिया क डगरूआ थाना क्षेत्र क लोक साम्प्रदायिक सौहार्द क जे मिसाल कायम केलथि अछि ओ शायद एहि स पहिने आर कतहू देखबा मे नहि भेटल अछि। एहि ठाम दूनू सम्प्रदाय क लोक जन अदालत लगा एकटा विवादित जमीन कए पलक झपकैत ओ फैसला करि देलथि जेकरा पुलिस आ अदालत कई साल स नहि सुलझा सकल छल। इ जनअदालत न माओवादीक छल आ नहि कोनो राजनीतिक दल या सामाजिक संगठनक। एहि जन अदालत मे हिन्दू-मुसलमान क हित क गप सेहो नहि भेल, बल्कि इंसानियत क पैगाम गूंजल। दूनू सम्प्रदाय क लोक इ फैसला केलथि जे एहि ठाम नहि त पूजा होएत आ नहि पहलाम, बल्कि एहि जमीन पर अस्पताल बना मानवता क सेवा कैल जाएत। साम्प्रदायिक सौहार्द क एहि मिसाल कायम करैवाला एहि फैसला क बाद तत्काल ओहि जमीन पर बनाउल गेल मंदिर सेहो हटा लेल गेल। दू सम्प्रदाय क बीच विवाद क कारण रहल इ जमीन पूर्णिया जिला क डगरूआ प्रखंड अन्तर्गत कोहिला पंचायत अन्तर्गत मझुआ मौजा मे अछि। एहि ठाम मुहर्रम मे पहलाम क आयोजन कैल जाइत छल, संग-संग भुईयां जाति क लोक कामा देवी क मंदिर बना प्रतिमा स्थापित करि पूजा सेहो करैत छलाह। दूनू सम्प्रदाय क लोक एहि जमीन पर अपन-अपन दावा करैत रहल छल। पुलिस आ प्रशासन क लेल इ मामला सिरदर्द बनि चुकल छल। बायसी क डीएसपी शंकर झा कहला जे दूनू सम्प्रदाय क लोक सराहनीय समझदारी देखेलथि अछि। डगरूआ थाना अध्यक्ष अरविंद कुमार जन अदालत बजेबाक पहल केने दलथि। डगरूआ क लोक मजहबी दीवार कए ध्वस्त करि इ साबित करि देलथि जे इंसानियत स पैघ कोनो धर्म नहि।