पटना। राज्य क पूर्व डीजीपी नारायण मिश्र क संपत्ति सेहो विशेष न्यायालय जब्त करबाक निर्देश देलक अछि। आय स अधिक संपत्ति मामला मे निगरानी हुनकर आवास पर वर्ष 2007 मे छापेमारी केने छल। विभाग क अनुसार ओहि छापेतारी मे श्री मिश्र क आय स एक करोड़ 40 लाख टका बेसी क अर्जित संपत्ति भेटल छल।
विशेष न्यायालय अधिनियम क तहत दूटा एहन अधिकारी छथि जिनकर संपत्ति न्यायालय क आदेश क बाद जब्त भ चुकल अछि। जखनकि कईटा एहन अधिकारी छथि जिनकर खिलाफ न्यायालय में केस चलि रहल अछि। गया क माइंस इंस्पेक्टर श्याम नारायण सिंह आ हुनकर कनिया ज्ञानती देवी पर आय स बेसी 49 लाख 42 हजार क मामला चलि रहल अछि। दूनू क खिलाफ विशेष न्यायालय नोटिस जारी क पूछने अछि जे किया ने अहांक संपत्ति जब्त क लेल जाए।
इ सेहो छथि कतार मे
योगेंद्र कुमार जायसवाल, ड्रग कंट्रोलर, एक करोड़ 62 लाख
डी एन चौधरी, पूर्व राजभाषा निदेशक, 4 करोड़ 21 लाख
कालिका प्रसाद सिन्हा, आईएएस अधिकारी, एक करोड़ 27 लाख
श्रीकांत प्रसाद, अभियंता, 42 लाख 87 हजार
रघुवंश कुंवर, एमवीआई अधिकारी, 44 लाख 99 हजार
अवधेश प्रसाद सिंह, मुख्य अभियंता, एक करोड़ 97 लाख