• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पैघ संदर्भ मे छल महराज क मिथिला राज्य क परिकल्पना

December 1, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह क जयंती पर मिथिला मे कई ठाम कार्यक्रम भेल। महाराजक जयंती क अवसर पर इतिहासकार एएस ठाकुर हुनकर बारे मे विस्तार स जानकारी देलथि। महाराजक राजनीतिक, सामाजिक आ आर्थिक पहलु पर प्रकाश दैत ठाकुर कहला जे महाराज क मन मे मिथिला राज्य कए लकए काफी कौतुहलता छल आ एकर समग्र विकास क लेल ओ पैघ संदर्भ मे परिकल्पना कए जमीन पर उतारबा लेल पहल सेहो शुरू करि देने छलाह। पृथक मिथिला राज्य क लेल महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह सीतामढ़ी मे 22-23 अप्रैल, 1934 मे मैथिल महासभा क 27म अधिवेशन मे विधिवत विस्तार रूप स भौगोलिक रूप रेखा प्रस्तुत केने छलाह।
महाराजा कामेश्वर सिंह अपन प्रशासन क लेल अकबर आओर शेरशाह क समकक्ष गिनल जाइत छथि। येह कारण छल जे ओ योजनाबद्ध ढंग स काज केलथि, जाहि स आर्थिक क अलावा सामाजिक आओर राजनीतिक मोर्चा पर हुनका अपार सफलता हाथ लागल। आइ जहि पंचायती राज क ढिढोरा पीटल जा रहल अछि कामेश्वर सिंह ओकर प्रबल समर्थक छलाह। ओ कलकत्ता आ मुजफ्फरपुर मे नगर निगम आ नगरपालिका क स्थापना मे महती भूमिका निभेलथि। हुनकर धारणा छल जे छोट मोट विवाद क निबटारा गाम क स्तर पर भ जेबाक चाही।
कहला जे 1935 क कानून मे यदि महाराज क संशोधन स्वीकार करि लेल जाइते त देश कए आइ कश्मीर क अलावा सांप्रदायिक दंगा जइसन समस्या स नहि जूझए पड़िते। महाराजा देश क सैनिक खर्च बढ़ेबाक विरोधी छलाह। हुनकर धारणा छल जे एहि राशि कए शिक्षा आ समाज कल्याण क क्षेत्र मे लगाकए उन्नति आओर समृद्धि क मार्ग प्रशस्त कैल जा सकैत अछि। 1934 क भूकंप मे ध्वस्त भेल दरभंगा शहर कए फेर स बसेबा क यदि कियो चिंता केने छल त ओ असगर कामेश्वर सिंह छलाह। एकरा लेल ओ दरभंगा इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट क स्थापना केलथि। एहि ट्रस्ट क स्थापना क प्रति महाराजा क लगाव कए एतबे स बुझल जा सकैत अछि जे एकर उद्घाटन करेबा लेल ओ दिल्ली स लार्ड विलिंगडन कए दरभंगा बजेने छलाह।
ठाकुर कहला जे कामेश्वर सिंह क देश क विकास मे योगदान रहल, मुदा घर स ल कए देश तक हुनका बिसरी गेल। ओ कहला जे महाराजाधिराज शिक्षा क चौंपियन छलाह। बनारस हिन्दू विश्वविद्यालय क स्थापना क अलावा कोलकाता विश्वविद्यालय क प्रशासनिक भवन हुनके बनाउल अछि। पटना क प्रिंस वेल्स मेडिकल कॉलेज क स्थापना मे हुनकर योगदान स के परिचित नहि अछि। दरभंगा मेडिकल कॉलेज क स्थापना त महाराज क कारण स भेल। ओ आर्थिक सुधारक सेहो छलाह। बंगाल नेशनल बैंक आ सेंट्रल बैंक ऑफ इंडिया क संस्थापक सदस्य छलाह। ओ बिहारक सबस पैघ उद्योगपति छलाह। ओ एहि ठामक लोक लेल राजगारक अवसर पैदा केने छलाह। हुनकर कारखाना मे स्थानीय लोकक संग विदेश स सेहो लोक काज करबा लेल अबैत छल। जूट मिल आ चीनी मिल लगाकए ओ एहि इलाका मे ऑद्योगिक क्रांति केने छलाह। संविधान सभा क सदस्य आ राउंड टेबुल सम्मेलन मे भारतीय दलक हिस्सा रहनिहार डा सर कामेश्वर सिंह सही मायने मे एकटा सफल नीतिकार छलाह।
दोसर दिस महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन क तत्वावधान मे आयोजित कामेश्वर सिंह स्मारक व्याख्यानमाला मे जयपुर नेशनल विश्वविद्यालय क कुलपति, प्रख्यात समाजशास्त्री प्रो केएल शर्मा ट्रांस्फार्मेशन आफ कास्ट सिस्टम इन टू कास्ट इन कान्टेम्परॉरी इंडिया विषय पर व्याख्यान देलथि। एहि अवसर पर फाउंडेशन क ट्रस्टी डा. हेतुकर झा, विधान पार्षद प्रो. विनोद कुमार चौधरी, इतिहासकार प्रो. रत्नेश्वर मिश्रा, प्रो. रमाकांत झा सहित अन्य बुद्धिजीवी उपस्थित छलाह।

Tags: Bihardarbhangaमहाराजाधिराज कामेश्वर सिंह

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

15म विधानसभाक पहिल सत्र शुरू भेल

15म विधानसभाक पहिल सत्र शुरू भेल

दरभंगा स कोलकाता एयर एंबुलेंस सेवा शुरू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि