पटना । जिला क पैघ सड़क जे एखनधरि मेजर डिस्ट्रिक्ट रोड (एमडीआर) क रूप मे अधिसूचित अछि, ओकरा राजकीय उच्च पथ क श्रेणी मे शामिल करबा लेल एकटा पैघ योजना क नीति कए अंतिम रूप देल जा रहल अछि। पथ निर्माण विभाग एहि योजना मे एक हजार किमी एमडीआर कए स्टेट हाइवे (एसएच) मे तब्दील कैल जेबाक अछि। पथ निर्माण विभाग क अनुसार नव वित्तीय वर्ष मे इ नीति अस्तित्व मे आबि जाएत, जेकरा लेल एमडीआर क एसएच क सूची मे आनल जेबाक अछि। विभाग क अधिकारीक कहब अछि जे एहि बाबत बनि रहल नीति क एकटा प्रमुख तत्व इ अछि जे जे एमडीआर काफी लंबा अछि, यानी अगर ओकर लंबाई 25 किमी अछि त ओकरा एसएच मे शामिल करि लेल जाएत। दोसर महत्वपूर्ण गप इ अछि जे अगर कोनो सड़क एनएच कए जोड़ि रहल अछि आ एखन धरि ओ एमडीआर क श्रेणी मे अछि त ओकरा एसएच मे शामिल करि लेल जाएत। जिला क महत्वपूर्ण एमडीआर कए सेहो एसएच मे शामिल केल जाएत। ज्ञात हुए जे एमडीआर श्रेणी क सड़क एक लेन क अछि। एसएच क सूची मे शामिल भेलाक बाद ओ दू लेन मे परिवर्तित भ जाएत। एहि स ट्रै्फिक लोड सेहो कम भ जाएत।