पटना। जदयू प्रदेश अध्यक्ष पद स इस्तीफा द चुकल राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह कए मनेबाक शरद यादव क हर कोशिश नाकाम भेल। राष्ट्रीय अध्यक्ष कए अंतत: हुनकर इस्तीफा मंजूर करै पड़ल। ओ पार्टी क मुख्य प्रदेश प्रवक्ता विजय कुमार चौधरी कए रविदिन प्रदेश अध्यक्ष क पद पर नियुक्त करि देलथि। नव प्रदेश कमेटी क शीघ्र गठन कैल जाइत।
ललन सिंह द्वारा त्याग पत्र मे उठाउल गेल मुद्दा-पार्टी क भीतर लोकतंत्र नहि रहबाकआ अफसरशाही क हावी रहबाक आदि क संबंध मे शरद यादव कहला जे एहन मतभेद आगू सेहो होइत रहत। हम कोनो खानदान क पार्टी नहि चला रहल छी, जतय ककरो किछु कहबाक इजाजत नहि छै। पार्टी क भीतर कोनो संकट नहि अछि। हमार पार्टी पूरान अछि। हमरा छोडि़कए जाइवाला सब लालटेन, साइकिल, बंगला जइसन न जाने केतबा पार्टी बना लेलथि। मुदा दल केवल परिवार तक सिमट गेल।