पटना । बिहार मे कर्मचारी लेल ट्रेनिंग पॉलिसी प्रभावी भ गेल अछि । एकर संगहि राज्यस्तर पर स्टेट ट्रेनिंग काउसंलि क गठन क प्रक्रिया शुरू करि देल गेल अछि । मुख्य सचिव क अध्यक्षता मे काउंसिल क गठन हेबाक अछि ।एकर सदस्य सचिव बिपार्ड क महानिदेशक हेताह आ सदस्य क रूप मे विकास आयुक्त, सामान्य प्रशासन विभाग क प्रधान सचिव आ वित्त विभाग क प्रतिनिधि रहताह। मुख्य सचिव नवीन कुमार सब विभाग कए अलग स अपन प्रशिक्षण नीति बनेबाक निर्देश देलथि अछि। ओ इ सेहो कहला अछि जे नीति मे जे प्रावधान अछि, ओकर सख्ती स पालन हेबाक चाही।