पटना। मानव संसाधन मंत्री पीके शाही विधान परिषद मे कहला जे प्राथमिक स्तर पर मैथिली शिक्षक क नियुक्ति क प्रावधान नहि अछि। ओ विनोद कुमार चौधरी क ध्यानाकर्षण क जवाब मे कहला जे प्राथमिक विद्यालय मे स्थानीय शिक्षक क नियोजन होइत अछि आ एहन आशा कैल जाइत अछि जे ओ छात्र कए स्थानीय भाषा स अवगत कराउत। मुदा प्राथमिक स्तर पर मैथिली शिक्षक क नियुक्ति क कोनो प्रावधान नहि अछि।
एहि हस्तक्षेप करैत सभापति ताराकांत झा कहला जे मैथिली कए संविधान क अष्टम अनुसूचित मे स्थान प्राप्त अछि। डॉ. श्रीकृष्ण सिंह क मुख्यमंत्रित्वकाल मे मैथिली कए प्राथमिक विद्यालय मे पढ़ेबा लेल स्वीकृति देल गेल छल। सभापति क अनुसार ओ सरकार पर कोनो दबाव नहि डालि रहल छथि बल्कि सूचना द रहल छथि, ताकि एहि पर विचार कैल जाए।
प्रश्नकर्ता कहला जे मैथिली क पढ़ाई नौवीं कक्षा मे होइत अछि। मैथिली बिहारक स्थानीय भाषा छी ताहि लेल एकर प्राथमिक स्तर पढाई सेहो हेबाक चाही। एकर बाद केदार पाण्डेय कहला जे मामला सही मे गम्भीर अछि। शिक्षा विभाग एहि पर सम्यक रूप स विचार करे। एहि दौरान सदन मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मौजूद छलाह, मुदा ओ एहि पर कोनो टिप्पणी नहि केलाह।