• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

प्रीमियम पर बनत मुजफ्फरपुर-बरौनी फोर लेन

November 17, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। सडकक मामला मे सही मे बिहार बहुत बदलि गेल अछि। एकटा जमाना छल तहिया बिहार मे सडक बनेबा लेल कियो तैयार नहि होइत छल। निविदा पर निविदा बाहर होइत छल आ कियो निविदा भरबा लेल सामने नहि अबैत छल। आइ स्थिति आ परिस्थिति दूनू बदलल अछि। बिहार मे आब बीओटी टाल पर सेहो सउक बनि रहल अछि आ सेहो प्रीमियम दर पर। बरौनी-मुजफ्फरपुर सड़क जे एनएच 28 अछि कए एकटा निर्माण कंपनी प्रीमियम क संग लेलक अछि जे ओ निर्माण पूरा भेजाक बाद अगिला बीस साल तक प्रति वर्ष पांच करोड़ टका एनएचएआई कए देत। एहन बिहार मे एखन धरि कोनो आन सडक लेल नहि भ सकल छल। एनएचएआई हाल मे एहि सड़क क निविदा प्रक्रिया कए अंतिम रूप देने छल। केएनआर पटेल नाम क निर्माण कंपनी एहि सड़क कए कुल 356 करोड़ टकाक राशि लगाकए बना रहल अछि। एहि सड़क क प्रीमियम क रूप मे एनएचएआई कए 107 करोड़ टका भेटत। तीन साल मे एहि सड़क क निर्माण कार्य पूरा हेबाक अछि। इ सडक बनलाह स झारखंड आ नेपाल क सड़क कनेक्टिवटी बढत। रजौली स बख्तियारपुर क बीच फोर लेन पहिने स्वीकृत भ चुकल अछि। इ सड़क बख्तियारपुर स खगडि़या क बीच बनि रहल चारि लेन क सड़क स जुड़त। मोकामा मे एकरा लेल एकटा अतिरिक्त पुल सेहो बनत। जाहि लेल निविदा प्रक्रिया अंतिम चरण मे अछि। बख्तियारपुर-ताजपुर क बीच गंगा नदी पर सेहो पीपीपी मोड मे मेगा ब्रिज निर्माण क निविदा प्रक्रिया पूरा भ चुकल अछि। एहि सड़क स ईस्ट-वेस्ट कारिडोर क सड़क क कनेक्टिवटी सेहो अछि। गोरियाकोठी होइत इ सडक रक्सौल चल जाइत अछि। दरभंगा आ मधुबनी सेहो सीधा तौर पर जुडि जाएत।

Tags: Biharpatna muzaffarpur road

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क विकास स सबक सीखबा क राष्ट्रपति क अपील

रामलीला मे मिथिला क लोक संस्कृति

95 वर्षक भेलाह एलके मिश्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि