पटना। भागलपुर मे विकसित कैल जा रहल फूड पार्क कए विकसित हेबाक उम्मीद प्रबल भ गेल अछि। समाद अछि जे प्रस्तावित फूड पार्क मे केवेंटर्स ग्रुप स किशोर बियाणी क फ्यूचर वेंचर्स पैघ हिस्सेदारी कीनलक अछि। केवेंटर्स ग्रुप क कंपनी, केवेंटर्स एग्रो भागलपुर फूड पार्क क 35 फीसदी हिस्सेदारी किशोर बियाणी क फ्यूचर वेंचर्स कए बेचबाक घोषणा केलक अछि। कंपनी क प्रबंध निदेशक मयंक जैन कहला अछि जे एहि फूड पार्क क विकास मे ओ करीब 200 करोड़ टका क निवेश करताह, जाहि स एकर आस-पड़ोस क करीब 20,000 किसान कए फायदा होएत। एहि फूड पार्क हुनकर कोशिश छोट किसान क मदद करब अछि, जिनका अपन उत्पाद क सही दाम नहि भेटैत अछि। कंपनी 165 एकड़ भूमि पर प्रस्तावित फूड पार्क विकसित करि रहल अछि, गौरतलब अछि जे पार्क लेल जमीनक अधिग्रहण कैल जा चुकल अछि। कंपनी एहि पर अगिला मास काज सेहो शुरू करि देत।
केवेंटर्स ग्रुप आ किशोर बियाणी क फ्यूचर वेंचर्स मे भेल एहि सौदा स राज्य सरकार क अधिकारी सेहो काफी खुश छथि। राज्य क उद्योग विभाग क एकटा अधिकारी कहला जे राज्य सरकार एहि क्षेत्र कए ल कए काफी सक्रिय अछि। दरअसल, हमर ताकत कृषि अछि। एहि लेल हमसब राज्य मे खाद्य प्रसंस्करण इकाइ कए ल कए जबरदस्त संभावना देख रहल छी। एहि क्षेत्र मे एखन तक करीब एक हजार करोड़ टकाक निवेश भ चुकल अछि आओर 57टा इकाइ शुरू भ चुकल अछि। साल क अंत तक राज्य मे एहि क्षेत्र मे निवेश क रकम आ इकाइ क तादाद दोगुना भ जेबाक चाही। ओ कहला जे राज्य मे कईटा फूड पार्क क विकास भ रहल अछि। भागलपुर क फूड पार्क क बारे मे आई इ समाद स हमार पक्ष आओर मजूबत भ गेल। हम बेसी स बेसी निवेशक कए अपना दिस खींचबा मे लागल छी।
दोसर दिस एहि समाद स बिहार क स्थानीय कारोबारी सेहो उत्साहित छथि। बिहार क खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र मे सेहो पैघ निवेशक क रुचि एहि स बढैत देखा रहल अछि। मुजफ्फरपुर मे लीची प्रसंस्करण इकाई, लिच्छवि ट्रेडर्स क प्रबंध निदेशक अविनाश कुमार कहला जे, एहि स इ साबित होइत अछि जे पैघ निवेशक सेहो राज्य दिस देख रहल अछि आ बिहार कए प्रति हुनकर नजरि बदलि रहल अछि। कुमारक कहब अछि जे बियाणी सन लोक क बिहार एला स स्थानीस लोक हौसला बढि रहल अछि। दोसर दिस, मोतीहारी क कारोबारी प्रभाकर कुमार कहब अछि जे पैघ कारोबारी अपना संग मोट रकम आनि रहल छथि। एहि स राज्य दिस दोसर पैघ कारोबारीक नजरि सेहो पडत। एहि स सब कए भला होएत। केवेंटर्स आ फ्यूचर वेंचर्स क एहि सौदा के बाद राज्य क कारोबारी कए सेहो अपन इकाइ लेल नीक ऋण भेटबाक उम्मीद अछि।