पटना । 16 साल स बंद पड़ल निगम आ बोर्ड क कर्मचारी कए अन्य विभाग मे समायोजित करबाक पहल राज्य सरकार शुरू करि देलक अछि। एहि कर्मचारी स प्रशासी विभाग क रिक्त पद कए भरबा क लेल आ अतिरिक्त हेबा पर हुनका बेहतर स्थिति मे चलि रहल विभिन्न निगम मे तैनात करबाक तैयारी अछि। उद्योग विभाग क उप सचिव उद्योग विभाग स जुड़ल सबटा निगम (विसीको कए छोडि़कए) स वर्तमान अस्तित्व आ दायित्व क संबंध मे प्रतिवेदन मंगलाह अछि। पत्र जारी करि कहल गेल अछि जे निर्देशित बिंदु पर वांछित प्रतिवेदन एखन अपर्याप्त अछि। वितरण एबाक बाद कार्रवाई आगू बढ़त। 16 साल स वेतन बंद भेला स कर्मी क आर्थिक स्थिति दयनीय भ चुकल अछि।
उद्योग विभाग क उप सचिव बिहार राज्य वित्तीय निगम, बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकरण, बिहार राज्य साख एवं विनियोग निगम आ बिहार राज्य खादी ग्रामोद्योग निगम स रिक्त पद क सूची यथाशीघ्र उपलब्ध करेबा लेल कहलक अछि। बंद पड़ल निगम आ बोर्ड क प्रबंध निदेशक स उद्योग विभाग कर्मचारीक सूची सहित पूरा विवरण उपलब्ध करेबाक निर्देश देलक अछि। एहि मे बिहार राज्य औद्यौगिक विकास निगम, बिहार राज्य लद्यु-उद्योग निगम, बिहार राज्य हस्तकरधा एवं हस्तशिल्प निगम, बिहार राज्य वस्त्र निगम आओर बिहार राज्य औषधि एवं रसायन विकास निगम आदि शामिल अछि।