पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्य क सर्वागीण विकास क प्रति अपन प्रतिबद्धता एक बेर फेर जतेलहाल अछि। कुमार कहला अछि जे समस्तीपुर जिला क ताजपुर क आस-पास क इलाका कए पटना स जोड़बा लेल बख्तियारपुर मे गंगा नदी पर एकटा महासेतु क निर्माण कैल जाएत।
बख्तियारपुर रेलवे स्टेशन पर बख्तियारपुर-गया 355-356 इएमयू पैसेंजर ट्रेन कए शुभारंभ करबाक बाद एकटा कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री कहला जे राजग सरकार राज्य क सर्वागीण विकास क लेल कृत संकल्प अछि। एहि लेल गंगा नदी पर एकटा महासेतु क निर्माण होएत। बख्तियारपुर स गया क बीच इ रेलसेवा शुरू करबाक लेल मुख्यमंत्री रेल मंत्री ममता बनर्जी आओर रेल अधिकारी क प्रति आभार जतेलाह। नीतीश कुमार पटना-बेंगलूर क बीच सप्ताह मे छह दिन चलैवाला संघमित्रा एक्सप्रेस क फेरा बढ़ेबाक घोषणा केलथि। मुख्यमंत्री कहला जे पैसेंजर ट्रेन क अलावा बख्तियारपुर आ गया क बीच एक्सप्रेस ट्रेन क परिचालन करबा लेल ओ रेल मंत्री कए पत्र लिखकए अनुरोध करताह।