पटना। ऐतिहासिक गांधी मैदान आब नव स्वरूप मे देखबा मे भेटत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गांधी मैदान सौंदर्यीकरण योजना क जल्द शिलान्यास करताह। सौंदर्यीकरण योजना मे बच्चा क लेल प्ले जोन आओर स्वास्थ्य लाभ क लेल टहलनिहार स लकए युवा कए इ मैदान नव स्वरूप मे आकर्षित करत। भवन निर्माण विभाग द्वारा 8 करोड़ 59 लाख टका क सौंदर्यीकरण क योजना क स्वीकृति भेट गेल अछि। गांधी मैदान क सौंदर्यीकरण योजना मे घास आओर फूल क सिंचाई कए स्प्रिंकल प्रणाली लगाउल जाएत। जखकि वर्षा जल संरक्षण कए पाथ-वे क दूनू दिस ढाई-ढाई फुट चौड़ा पेवर्स ब्लाक क फुटपाथ बनत। मूल पाथ-वे क लंबाई लगभग 1800 मीटर होएत। पाथ-वे क चौड़ाई 8 फुट रहत। प्रत्येक 100 मीटर क दूरी पर बैसबा लेल आधुनिक तरीके क करीब एक दर्जन आकर्षक चबूतरा क निर्माण कैल जाएत। भवन निर्माण पटना प्रमंडल द्वारा तैयार एहि सौंदर्यीकरण योजना कए सरकार क मंजूरी क संग टकाक आवंटन सेहो भेट गेल अछि। भवन निर्माण पटना प्रमंडल क कार्यपालक अभियंता रवीनेश कुमार क अनुसार गांधी मैदान क बाउंड्री कए नव लुक देल जाएत। बाहरी फुटपाथ स दू फुट ऊंच दीवार आओर ओकर ऊपर तीन फुट ऊंच आकर्षक ग्रिल लागत। मैदान कए जलजमाव स मुक्त राखबा लेल बाकरगंज नाला आओर एसके मेमोरियल हाल दिस पाइन क निकासी क प्रबंध कैल जाएत। मौसमी फूल क लेल ग्रेनाइटयुक्त फ्लावर पाट, फुटपाथ पर हेज आओर स्टैंड पर फ्लावर पाट लोक कए आकर्षित करत। पाथ-वे आ बाहरी बाउंड्री क बीच चारिटा जगह बच्चा क खेलबा लेल प्ले जोन बनत। जाहि मे हुनकर मनपसंद झूला आओर अन्य उपकरण लागत।