• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बरसात स आब टूटत नहि, मजबूत होएत बिहारक सड़क

January 10, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

एहि तकनीक क सबस पैघ विशेषता इ अछि जे सड़क जेतबा बेसी पाइन मे डूबत ओ ओतबा बेसी मजबूत होएत। बाढ़ प्रभावित इलाका मे एखन हाट मिक्स प्लांट स बनल सड़क बाढ़ क कारण एक सीजन क अंदर टूटि जाइत अछि, जाहि स सब साल पांच सौ करोड़ टकाक नुकसान भ रहल अछि।
प्रत्यय अमृत, पथ निमार्ण विभागक प्रधान सचिव

पटना। पाइन आ अलकतराक पुरान झगड़ा खत्म हुए जा रहल अछि। आब पाइल पड़ला पर अलकतरा स बनल सड़क टूटत नहि बल्कि आओर मजबूत होएत। ब्राजील क इ टेक्नोलाजी बिहार लेल कोनो वरदान स कम नहि अछि। बाढ़ आ बरसात स सैंकड़ों किलोमीटर सड़क बहबाक समस्या स त्रस्त बिहार पथ निर्माण विभाग आब एहि टेक्नोलाजी कए अपना कए टिपटिप बरसैत पाइन मे सेहो सड़क निमार्ण करि सकत। ब्राजील क एहि टेक्नोलाजी कए बिहार अपनेबाक फैसला लेलक अछि। बिहार स पूर्व इ टेक्नोलाजी फ्लोरिडा, मियामी और इराक मे हिट भ चुकल अछि।
पथ निर्माण विभाग क एकटा पदाधिकारीक कहब अछि जे आम तौर पर जून स अक्टूबर तक बिहार मे सड़क क निर्माण नहि होइत अछि। वर्षा आ ओकर बाद क स्थिति एहन नहि रहैत अछि जे सड़क निर्माण क लेल अलकतरा क इस्तेमाल भ सके। जल जमाव क स्थिति एतबा विकट रहैत अछि जे मजबूरी मे कई ठाम पीसीसी सड़क पैघ स्तर पर बनाउल जा रहल अछि।
एहन मे पथ निमार्ण विभागक प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत प्रयोग क तौर पर ब्राजील क कोल्ड मिक्स टेक्नोलाजी कए इस्तेमाल मे अनबाक योजना पर काज करि रहल छथि। फिलहाल कोसी क बाढ़ प्रभावित इलाका मे एक-दू किमी सड़क एहि तकनीक स बनेबाक योजना अछि। एहि तकनीक कए सफलता भेटला पर बाढ़ प्रभावित इलाका मे हाट मिक्स प्लांट क छुंट्टी तय मानू। प्रत्यय अमृत क कहब अछि जे दरअसल कोल्ड मिक्स टेक्नोलाजी किछु एहि तरह क तकनीक अछि जे पाइन मे विशेष रूप स फिट रहैत अछि। भारतीय रोड कांग्रेस क आयोजन क समय संबंधित कंपनी अपन तकनीक कए पटना मे देखेने छल।
ओ कहलथि जे एहि तकनीक क सबस पैघ विशेषता इ अछि जे सड़क जेतबा बेसी पाइन मे डूबत ओ ओतबा बेसी मजबूत होएत। बाढ़ प्रभावित इलाका मे एखन हाट मिक्स प्लांट स बनल सड़क बाढ़ क कारण एक सीजन क अंदर टूटि जाइत अछि, जाहि स सब साल पांच सौ करोड़ टकाक नुकसान भ रहल अछि।
कोल्ड मिक्स टेक्नोलाजी स सड़क बनेबा लेल संबंधित इलाका मे कोनो तरह क प्लांट स्थापित करबाक जरूरत नहि होइत अछि। इ बैग मे अबैत अछि आ सीधा-सीधा रोड पर देल जाइत अछि। एहि कारण स कम खर्च पर बाढ़ ग्रस्त इलाका मे सड़क बनि सकत। एतबा नहि कोल्ड मिक्स टेक्नोलाजी स बनल सड़क क लेल कोनो विशेष किस्म क हेवी रोलर क सेहो जरूरत नहि पड़त। पाइन स भरल सड़क क मरम्मत सेहो आसानी स संभव भ सकत। वर्षा आ ठंडक समय जखन अलकतरा क इस्तेमाल बंद भ जाइत अछि तखन कोल्ड मिक्स तकनीक पूरा कारगर होएत।

Tags: Biharroad

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

जेल जाउ, टिकट पाउ : लालू

आमिर संग पटना मे थ्री इडियट्स देखताह नीतीश!

Esamaad Epaper Website

लोकक प्रयास क परिणाम अछि बिजनेस रिफार्मर अवार्ड :नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि