मधुबनी। बिहार मे एक बेर फेर बाट लेल भगवान कए हटाउल गेल। करीब घंटा भरि क मेहनतक बाद बाटक निर्माण मे बाधक बनल मंदिर कए तोडि देल गेल। जाहि देश मे मंदिर आ मस्जिद लेल सरकार बदलि जाइत अछि, न जानि कतेक लोगक खून भ जाइत अछि ओहि देशक एकटा राज्य एहनो अछि जे पिछला आठ साल मे सडक निर्माण मे बाधक बनल करीब 55टा मंदिर आ 19टा मजार कए स्थानांतरित करबाक काज केलक अछि। राष्ट्रीय राजमार्ग 57 क निर्माण क मे गतिरोध बनल हनुमान मंदिर कए तोडबा लेल सेहो कोनो पुलिस या फौज क मौजूदगी नहि छल। विकास क भूखल आम लोक अपन हाथ स सडक क लेल महाबली हनुमान क प्रतिमा के सुरक्षित राखि मंदिर कए तोडबाक शुरूआत केलथि। पुरान मंदिर कए ध्वस्त हेबा स पूर्व ओकर पाछु मे नव मंदिर बनेबाक काज चालू भ चुकल अछि। मंदिर कए ध्वस्त होइत सडक निर्माणक काज सेहो दनादन शुरू भ गेल। इ घटना फुलपरास लोहिया चौक क छी, जे भारतक सबस पिछडल इलाका मे स एकटा अछि। सांझ करीब छह बजे इ पिछडल इलाका देशक विकसित समाज कए एकटा एहन संदेश देबा मे सफल रहल जे देशहित मे आइ सबसे जरूरी अछि। मंदिर स प्रतिमा क स्थानांतरण आ मंदिर कए तोड़बा लेल करीब पांच बजे सड़क निर्माण कंपनी क तमाम अधिकारी, कर्मचारी, एसडीओ, डीएसपी, डीसीएलआर, सीओ, थानाध्यक्ष पंचायत क मुखिया, गणमान्य लोक आबि चुकल छलाह। मुदा एहि काजक शुरूआत स्थानीय लोक स शुरू भेल। मंदिरक पुजारीक कहब अछि जे नव मंदिर मे हनुमान क प्रतिमा क प्राण प्रतिष्ठा 19 जनवरी कए हेबाक अछि। एहि मे अहां सब आबि।