रविद्र प्र सिंह
पटना। अमेरिकी सेना क इंजीनियरिंग कोर क विशेषज्ञ अलन टॉम क कहब अछि जे आध्सुनिक तकनीकक मदद स बिहार मे बाढ कए नियंत्रित कैल जा सकैत अछि। ओ पटना मे ” बाँध संसाधन योजनाकरण आ प्रबंधन” विषय पर पांच दिवसीय कार्यशाला क उदघाटन सत्र कए संबोधित करैत कहला जे आइ बांढ क नियंत्रण केवल बांध ससंभव नहि अछि, एहि लेल आधुनिक तौर पर कंप्यूटर प्रतिरूप क अध्ययन जरूरी भ गेल अछि। एहि कार्यशाला मे बिहार क जल संसाधन स लाभ उठेबा आ राज्य मे बाढ़ नियंत्रण पर चर्चा भ रहल अछि |
चाणक्य होटल मे पॉवर पॉइंट प्रस्तुतीकरण क उपयोग करैत अमेरिकी विशेषज्ञ शक्तिशाली मिस्सिसिपी नदी क उदहारण लेलथि आ बतेलाह जे कोना अमेरिका क एहि नदी क आस-पास क क्षेत्र मे संभावित बाढ़ कए नियंत्रित करैत अछि | ज्ञात हुए जे अमेरिका क टेनसीवैली प्रोजक्ट स प्रभावित भ बिहार मे लागू भेल कोसी प्रोजेक्ट निर्माणक 40 साल बाद असफल साबित भ रहल अछि। एकर पाछु इ सेहो कारण अछि जे इ परियोजना एखन धरि पूर्ण नहि कैल जा सकल अछि।
परिष्कृत कंप्यूटर प्रतिरूप क उपयोग करबाक वकालत करैत टॉम कहला जे अधिकतर मामला मे बाढ़ कए कंप्यूटर प्रतिरूप क अध्ययन क सहारे रोकल जा सकैत अछि, किया कि कंप्यूटर पैघ संख्या क अध्ययन आ मौसम सम्बंधित सांख्यिकी क विश्लेषण क आधार पर एहि प्रकार क विपदा सबहक भविष्यवाणी करबा मे सक्षम अछि| टॉम आगू कहला जे प्रभावित क्षेत्र मे बाढ़ स जूझबा लेल बिहार कए अपन सबटा संसाधनक, जाहि मे क्षेत्रीय, केंद्रीय, स्वयंसेवी संस्थाएं आ स्वयंसेवक शामिल छथि, उपयोग करबाक चाही।
टॉम कहला जे अमेरिका मे बाढ़ नियंत्रण लेल एकटा लंबा अवधि क योजना अछि, जाहि मे शोध कार्य लेल धन, राज्य आ केंद्रीय स्तर पर समर्थन, स्वयंसेवी संस्था स सहयोग आ बाढ़ स बीमा शामिल अछि |एहि सबहक संग जखन कंप्यूटर प्रतिरूप क उपयोग कैल जाइत अछि, त प्राकृतिक विपदा कए सम्हारब तुलनात्मक तौर पर सरल भ जाइत अछि ।