औरंगाबाद । औरंगाबाद जिला क नवीनगर आ बारून प्रखंड क सीमा पर तीन हजार तीन सौ मेगावाट बिजली उत्पादन क्षमता क वृहद ताप विद्युत परियोजना स्थाापित कैल जाएत। बिहार सरकार आ राष्ट्रीय ताप विद्युत निगम क संयुक्त उपक्रम नवीनगर पावर जेनरेटिंग प्राइवेट लिमिटेड क मुख्य कार्यकारी अधिकारी तूफानी राम कहला अछि जे पर्यावरण मंत्रालय एकरा लेल मंजूरी द देलक अछि। पहिने एहि परियोजना मे छह सौ साठ मेगावाट क तीन इकाइ स्थाापित करबाक विचार छल, मुदा राज्य सरकार क प्रस्ताव पर पर्यावरण मंत्रालयक मोहरक बाद असब एहि परियोजना मे छह सौ साठ मेगावाट क पांच इकाइ क स्थापना क बाट साफ भ गेल अछि। ओ कहला जे एहि परियोजना मे दूटा अतिरिक्त इकाइ क विस्तारीकरण क मुद्दा पर पांच जनवरी कए राज्य सरकार आ एनटीपीसी क बीच बिजली क्रम अनुबंध (पीपीए) पर हस्ताक्षर कैल जाएत।
राम कहला जे कंपनी क निदेशक मंडल परियोजना क लेल एखन धरि अधिग्रहित 1871 एकड़ भूमि के मालिक कए स्वेच्छा स जमीन उपलब्ध करेबा लेल तीस प्रतिशत अतिरिक्त मुआवजा राशि देबाक निर्णय लेलक अछि। एहि निर्णय क तहत विस्थापित किसान कए बीस करोड़ क राशि जनवरी 2011 मे वितरित करि देल जाएत।
मुख्य कार्यकारी अधिकारी कहला जे केन्द्र सरकार क वन एवं पर्यावरण मंत्रालय क दिशा- निदेश क अनुसार पुनर्स्थापना आ पुनर्वास पर पचास करोड़ टका स बेसी खर्च कैल जाएत। एकरा लेल कंपनी प्रस्ताव तैयार करि लेने अछि।