पटना। बिहार मे बिजली क्षेत्र मे धीरे-धीरे सुधार देखल जा रहल अछि। एहि क्षेत्र मे लोकक परेशानीक एकटा मुख्य कारण तकनीक अभाव छल। सबटा काज लेल कार्यालयक चक्कर अनिवार्य छल। मुदा आब घर बैसल बहुत रास काज भ सकत। चाहे नव कनेक्शन हुए या बिजली बिल जमा करब, एहन काज लेल कार्यालयक चक्कर स मुक्ति भेटब बिहारक लोक लेल पैघ राहत क गप अछि। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड स भेटल जानकारी क अनुसार आब नव कनेक्शन सेहो इंटरनेट स आवेदन केला पर भेटत। उपभोक्ता कनेक्शन लेल नेट पर आवेदन करताह त बोर्ड क कामगार उपभोक्ता क घर पर जाकए कनेक्शन क प्रक्रियाएं पूरा करत। एहि काज लेल कार्यायक चक्कर स लोक कए मुक्ति भेट जाएत। एहिना हार क किछु शहर मे आब बिजली बिल लेल कतार मे लगबाक मजबूरी नहि रहत। भारतीय स्टेट बैंक आ एचडीएफसी बैंक स बिजली बोर्ड समझौता करि रहल अछि। जेकर बाद इंटरनेट स बिजली बिल जमा भ सकत। केनरा बैंक क उपभोक्ता डेविट कार्ड स सेहो बिजली बिल जमा करि सकताह। राज्य मे 30 लाख उपभोक्ता छथि। उपभोक्ता क बिजली बिल बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क साइट पर आबि रहल अछि। घर बैसल लोक बिजली बिल देखि सकैत अछि आ ओकर प्रिंट निकाली सकैत अछि। अगर अहां शहर राज्य या देश स बाहर छी तखनो नेटक माध्यम स बिल दे आ जमा करि सकैत छी। आब ककरो बिजली बिल संग्रह केन्द्र पर विपत्र जमा करबाक जरूरत नहि अछि। बोर्ड अधिकारी क कहब अछि जे तीन लाख उपभोक्ता क बिल नेट पर अप-टू-डेट अछि। अक्टूबर क प्रथम सप्ताह स राजधानी क बिजली उपभोक्ता कोनो काउंटर पर कोनो क्षेत्र क बिल जमा करि सकताह। एतबे नहि विद्युत विपत्र मे सुधार लेल आब बिजली कार्यालय क चक्कर स मुक्ति भेटत, इ काज आब केवल एकटा फोन काल क माध्यम स भ सकत। राजधानी मे स्पाट बिलिंग क शुरुआत भ चुकल अछि।
एतबे नहि ग्रामीण क्षेत्र क लोक कए बिहार राज्य विद्युत बोर्ड एकटा सनेस देलक अछि। आब ओ अपन पंचायत मे बिजली बिल जमा करताह। श्रेई सहज विलेज लिमिटेड क वसुधा केन्द्र पर उपभोक्ता संख्या क आधार पर बिजली बिल जमा भ सकत। ओहि ठाम रसीद आ बकाया बिल क जानकारी सेहो भेटत। फिलहाल 27 जिला क 4942 पंचायत मे वसुधा केन्द्र स्थापित कैल गेल अछि। जेना वसुधा केन्द्र अररिया, भोजपुर, अरवल, औरंगाबाद, बेगूसराय, बक्सर, पूर्वी चंपारण, पश्चिम चंपारण, गया, जमुई, जहानाबाद, कटिहार, खगडि़या, किशनगंज, लखीसराय, मुंगेर, मुजफ्फरपुर, नालंदा, नवादा, पटना, पूर्णिया, रोहतास, वैशाली जिला क पंचायत मे इ स्थापित अछि।
bahut neek khabar ai.appan bihar technocrat bh rahal ai khushi k baat.