• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिजली घोटाला क सीबीआई जांच हुए : सिद्दीकी

May 5, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । बिहार विधानसभा मे विरोधी दल क नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी चारि हजार करोड़ क कथित बिजली घोटालाक सीबीआई जांच क मांग केलथि अछि। सिद्दीकी पटना आओर ओकर आसपास कईटा औद्योगिक प्रतिष्ठान द्वारा पैघ पैमाना पर बिजली चोरी क मामले मे बिजली बोर्ड क तत्कालीन अध्यक्ष स्वपन मुखर्जी आ बोर्ड क किछु अभियंता क संलिप्तता क आरोप लगेलथि अछि।
विरोधी दल नेता कहला जे एहि मामला क पर्दाफाश करनिहार विद्युत निगरानी क तत्कालीन एडीजी आनंद शंकर कए पद स हटा देल गेल। हुनकर जगह पर मनोज नाथ कए आनल गेल जे सबटा आरोपितक खिलाफ निगरानी थाना मे मुकदमा दर्ज करेलथि त हुनको बाहर क रास्ता देखा देल गेल। एहि पूरा मामला मे अब्दुल बारी सिद्दीकी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए पत्र लिखकए सीबीआई जांच क मांग केलथि अछि।
की अछि मामला: पटना क लग पास स्थित दादी जी स्टील लिमिटेड मे 6 मई 2008 कए निगरानी परिषद विद्युत कोषांग क दिस स कैल गेल छापेमारी क हवाला दैत नेता प्रतिपक्ष कहला जे ओहि छापेमारी मे बिजली चोरी क पैघ मामला पकडल गेल छल आ जब्त मीटर कए भोपाल मे भेल जांच मे 13 बेर छेड़छाड़ क गप सामने आयल छल। एकर बाद दादी जी स्टील लिमिटेड क विरुद्ध 16 सितंबर कए कांड संख्या 69/2008 क तहत विद्युत अधिनियम क धारा 135, 138 आ दोसर संबंधित धारा मे मुकदमा दर्ज कैल गेल।
पत्र मे कहल गेल जे 6 मई कए छापेमारी भेलाक बाद बिजली बोर्ड 2 जून कए विद्युत संहिता क अध्याय 11.4 क तहत स्वैच्छिक घोषणा क योजना शुरू करि देलक। एहि योजना क तहत कोई उपभोक्ता यदि स्वेच्छा स मीटर या ओकर सील मे छेड़छाड़ क संबंध मे घोषणा करैत अछि त ओकरा विरुद्ध मुकदमा दर्ज नहि कैल जाएत। आओर कोनो दंडात्मक शुल्क सेहो नहि लेल जाएत।
सिद्दीकी कहला जे एहि योजना क जरिए इरादतन कैल गेल बिजली चोरी कए गैर इरादतन आओर स्वैच्छिक घोषणा क मामला बनाकए 20 करोड़ क जुर्माना राशि क बदला मे केवल 1 करोड़ 70 लाख क राशि लकए मामला कए सलटा देल गेल। पत्र मे कहल गेल अछि जे एहि साजिश कए पर्दाफाश करैत विद्युत निगरानी क तत्कालीन एडीजी मनोज नाथ बिजली बोर्ड क तत्कालीन अध्यक्ष क विरुद्ध जखन निगरानी थाना मे कांड संख्या 34/2009 दर्ज करैत सरकार स अभियोजन क स्वीकृति गंगलाह त हुनका इ नहि भेटल, उल्टे बोर्ड अध्यक्ष कए हाई कोर्ट मे मामला उठेबा लेल पर्याप्त समय द देल गेल। सिद्दीकी एहन 52टा आओर प्रतिष्ठान द्वारा कुल चारि हजार करोड़ क बिजली चोरी क मामला कए रफा-दफा करबाक कथित घोटाला क सीबीआई जांच क मांग केलथि अछि।
अब्दुल बारी सिद्दीकी कहला जे नीतीश सरकार बिजली आपूर्ति मे पक्षपात करि रहल अछि। मुख्यमंत्री क गृह जिला नालंदा, ऊर्जा मंत्री क गृह जिला सुपौल आओर राजधानी पटना मे जतए 16 घंटा स 24 घंटा बिजली उपलब्ध अछि, ओतहि बाकी जिला मे रहनिहार लोक कए एक घंटा ठीक स बिजली नहि भेट रहल अछि। विपक्ष क नेता कहला जे एहि वजह स राज्य क विभिन्न जगह पर लोक क आक्रोश फूट रहल अछि। सिद्दीकी कहला जेनीतीश सरकार क छह माह पूरा भेलाक बाद राजद एहि मामला मे सड़क पर उतरबा लेल तैयार अछि।

Tags: BiharpatnaRJD

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

जानकी नवमी : 19 मई कए मनाउ सीता जयंती।

Esamaad Epaper Website

बाजार स बिजली कीनत बिहार

बिहार आ भूटान मे पर्यटन कए बढाबा लेल समझौता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि