• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारक छवि बिगाडि रहल अछि केंद्र

February 24, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। जखन कोनो बिहारी सफलताक झंडा लहरा दैत अछि त ओकरा आन राज्‍य मे भेटल आधारभूत सुविधाक परिणाम बताउल जाइत अछि। कहल जाइत अछि जे इ बिहार स बाहर निकलल ताहि लेल इ सफलता अर्जित केलक। मुदा जखन कोनो व्‍यक्ति बिहार स बाहर जा आतंकी बनि जाइत अछि त ओकर पूरा श्रेय बिहार कए देल जा रहल अछि। इ बिहार सिंडोम क एकटा आओर उदाहरण सामने आबि रहल अछि। आतंकवाद देशक कोनो खास राज्‍यक विषय नहि अछि। एहन मे बिहार कए आतंकवाद क संरक्षक राज्‍य क रूप मे नामित करब एकटा पूर्वाग्रह स बेसी किछु नहि कहल जा सकैत अछि। ओना बिहार एहन पूर्वाग्रह से लडबा मे सक्षम अछि आ जाहि प्रकार स बिहार मे सब स्‍तर पर एकर विरोध भ रहल अछि उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे आन पूर्वाग्रह जेकां इ पूर्वग्रह सेहो खत्‍म करि देल जाएत। ओना मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार कए आतंकवाद स जोड़बा पर कड़ा विरोध जतेलाह अछि। नीतीश कहला अछि जे जखन विकास क बिहार माडल क सर्वत्र चर्चा भ रहल अछि, तखन केंद्र बिहार क छवि कए बिगाडबाक प्रयास शुरू क देलक अछि। विधानसभा मे मुख्‍यमंत्री क तामस कए जायज करार दैत विपक्ष सेहो हुनकर समर्थन केलक। आतंकवाद क मसला पर प्रधानमंत्री लग एकटा सर्वदलीय शिष्टमंडल जेबाक प्रस्‍ताव कए सेहो सदन मंजूरी देलक अछि। मुख्यमंत्री सदन मे राज्यपाल क अभिभाषण पर पेश धन्यवाद प्रस्ताव पर भेल वाद-विवाद पर सरकार क उत्तर दैत कहला जे बिहार सन पिछड़ल राज्य क विकास देखबा लेल दूर-दूर स लोक आबि रहल अछि। मुदा केन्द्र सरकार आतंक क बिहार माड्यूल क जिक्र करबा मे व्‍यस्‍त अछि। आतंकवाद लेल कोनो समुदाय, राज्य या जिला कए टारगेट नहि कैल जा सकैत अछि। बिहार एकरा अस्वीकार करैत अछि। एहि पर नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी कहला जे एहि मामला मे विपक्ष सेहो सरकारक संग ठार अछि। कुमार कहला जे कोनो आतंकवादी पकडल जाइत अछि त की राज्य केन्द्र कए सहयोग नहि दैत अछि, समुदाय सहयोग नहि दैत अछि? अगर कोनो अल्पसंख्यक पकडल जाइत अछि,त की अल्पसंख्यक समाज पकडल गेल व्यक्ति क संग द रहल अछि? बिहार माड्यूल कहबाक मतलब अछि जे बिहार एहि मे संलिप्‍त अछि, जेकरा हम अस्वीकार करैत छी। अपन गप कए प्रमाणित करबा लेल नीतीश दिल्ली क अखबार क कतरन सेहो सदन मे रखलथि। ओ कहला जे केंद्र आतंकवाद क नाम पर संघीय ढांचा कए सेहो खत्‍म करबा मे लागल अछि। ओ कहला जे नेशनल काउंटर टेररिज्म सेंटर(एनसीटीसी) कए हम सब विरोध क रहल छी। एहि कानून मे केन्द्र बिना राज्‍यक सहमति कए ककरो गिरफ्तार क सकैत अछि। एहन कानून त अंग्रेज क समय मे सेहो नहि लागू भेल छल। हम आतंकवाद क खिलाफ लड़ाई मे केन्द्र क संग छी, मुदा इ एनसीटीसी बहुत खतरनाक अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे बनत ऐस्ट्रो पर्यटन सर्किट

Esamaad Epaper Website

बिहार मे 78686 करोड़ क बजट पेश

Esamaad Epaper Website

दरमाहा लेल आब कर्ज नहि : मोदी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि