• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारक टका समेटबा मे लागल अछि बैंक, कर्ज देबा लेल तैयार नहि

May 19, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बैंक मे जमा राशि रखनिहार दू सौ सबस पैघ शहर मे बिहार क चारिटा शहर अछि। सर्वाधिक कर्ज लेनिहार देश क 200 सबस पैघ शहर मे बिहार क केवल दूटा शहर- पटना आओर मुजफ्फरपुर अछि।

नई दिल्ली। अगर इ कहल जाए कि बिहार मे बैंक क अधिकारी टका दूनू हाथ स समेट रहल छथि आ कर्ज देबा क मामला में ठेंगा देखा दैत छथि त गलत नहि होएत। लाख कोशिशक बावजूद बिहार संग बैंक क व्‍यवहार नहि सुधरि रहल अछि। रिजर्व बैंक क निर्देश हुए या फेर वित्त मंत्रालय क सुझाव बैंक पर कोनो असर नहि पडैत अछि। बिहार कए सरकारी आओर निजी क्षेत्र क कॉमर्शियल बैंक कर्ज बांटबा लेल कतई तैयार नहि अछि। बैंक क अधिकारी कए साफ तौर पर निर्देश भेटैत रहैत अछि जे टका जेतबा भ सकए जमा करू मुदा कर्ज देबाक कोनो जरूरत नहि। एहि कारण स कर्ज आ जमा [सीडी] अनुपात क मामला मे बिहार क स्थिति दशक स हिंसाग्रस्त मणिपुर, मिजोरम, त्रिपुरा आ नगालैंड स बदतर अछि। सर्वाधिक कर्ज लेनिहार देश क 200 सबस पैघ शहर मे बिहार क केवल दूटा शहर- पटना आओर मुजफ्फरपुर अछि।
आरबीआइ क अधिकारी सेहो स्वीकार करैत छथि जे बैंकिंग गतिविधि जाहि रूप मे बिहार मे बढल अछि आ ओहि ठाम जेतबा टका जमा भ रहल अछि ओहि अनुपात मे कर्ज देबाक गति बहुत कम अछि। ओना अधिकारीक कहब अछि जे दू-तीन वर्ष बाद हालात ठीक भ जाएत। केंद्रीय बैंक क आंकडा स्वयं गवाह अछि जे बिहार क संग बैंक क सौतेला व्यवहार मे कोनो कमी नहि आयल अछि। बिहार मे बैंक क जमा आ कर्ज राशि क अनुपात मार्च, 2010 तक 28.81 फीसदी छल। जे पिछला सालक अनुपात 27.25 फीसदी स नीककहल जा सकैत अछि, मुदा बीमारू राज्‍य उत्तर प्रदेश [42.57 फीसदी] आ मध्य प्रदेश [59.50] स बिहार काफी नीचा अछि। महाराष्ट्र, गुजरात आ पंजाब क सीडी अनुपात त बहुत बेसी अछि, बिहार त एहि मामला मे पूर्वोत्तर क राज्‍य तक स पाछु अछि।
बिहार मे बैंक क 4,156 शाखा अछि जखनकि उत्तर प्रदेश मे 10,550, मध्य प्रदेश मे 4,309, पश्चिम बंगाल मे 5,437, राजस्थान मे 4,248 आ महाराष्ट्र मे 8,427 बैंक शाखा अछि। इ स्थिति तखन अछि जखनकि बैंक मे राशि जमा करनिहार लोकक संख्‍या बिहार बहुत बेसी अछि। बैंक मे जमा राशि रखनिहार दू सौ सबस पैघ शहर मे बिहार क चारिटा शहर अछि। सितंबर, 2010 कए समाप्त तिमाही मे पटना मे 28,349 करोड़ टका जमा करौल गेल अछि, जखनकि एहि अवधि मे बैंक एहि शहर मे महज 6,590 करोड़ टका कर्ज क रूप मे वितरण केलक।
पटना क बाद मुजफ्फरपुर [114], गया [147], भागलपुर [154] आओर दरभंगा क स्थान 166 अछि। मुदा कर्ज देबाक मामला मे पहिल 200 शहर मे पटना क अलावा केवल मुजफ्फरपुर अछि सेहो 135म स्थान पर।
वित्त वर्ष 2010-11 मे बिहार स्थित कॉमर्शियल बैंक कुल 25,552 करोड़ टका क कर्ज वितरित केलक। इ एक वर्ष पहिने क तुलना मे 46 फीसदी बेसी अछि। पिछला वर्ष क शुरुआत मे आरबीआइ गवर्नर डी. सुब्बाराव राज्य क दौरा केने छलाह आओर बैंक स कर्ज क राशि बढेबा लेल कहने छलाह। ओकर बाद केंद्र सरकार दू हजार स बेसी आबादी वाला देश क 72 हजार गाम कए बैंकिंग सेवा स जोड़बा क अभियान शुरू केलक। एहि मे लगभग 1,700 गाम बिहार क अछि।

Tags: bankBihardarbhangapatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बैंक अपन कार्यशैली सुधारबाक लेल प्रयास करए: नीतीश

इपत्रिका क रूप मे सेहो अंतिका

Esamaad Epaper Website

लखीसराय आ बेगूसराय मे बनत नव औद्योगिक पार्क

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि