पटना। बिहारक लेल एकटा नीक खबैर अछि, 600 करोड़ क लागत स देशक पहिल जुट पार्क बिहारक पूर्णिया जिलाक मरंग मे खुलि रहल अछि। एहि जुट पार्क मे सात टा इकाई लागत जे उत्तर-पूर्व बिहार मे कोसी क्षेत्रक दूर दराजक इलाकाक जुट यार्नक उत्पादन पर ध्यान देत।
एहि जुट पार्कक मुख्य काज उत्पादन कए बढ़ावा देनाय आ तैयार माल क भरि देश मे वितरण करबाक अछि। संगे कोसी बेल्टक किसानक जुट उत्पादन आ ओकर जुट मिल तक निर्यात कए सेहो ध्यान राखनाय अछि।
मरंग जुट पार्कक पहिल इकाई परिचालन अगिला तीन महिना म शुरू भए जायत जाहि मे बीस टन मैट्रिक प्रतिदिनक उत्पादन संगे उत्पादन सह प्रशिक्षण केंद्र रहत। पुन्रसार जुट पार्कक एकटा प्रतिनिधि सुनील चौधरी जी कहला जे एहि उत्पादन सह प्रशिक्षण केंद्रक लेल सयंत्र आ मशीन चीन स आयत करल गेल अछि।
पुनर्सार जुट पार्क आ बिहार सरकारक सयुंक्त प्रयास स ई जुट पार्कक निर्माण करत। एहि लेल बियाडा क तरफ स पूर्णिया औधोगिक क्षेत्र मे 45 एकड़ जमीन आवंटित करल गेल अछि। बियाडा क निदेशक भोगेन्द्र जी कहलक जे एहि जुट पार्कक लेल अखैन धैर 7.25 करोड़ टका खर्च भए गेल अछि आ 44.5 करोड़ टका एकर इन्फ्रास्ट्रक्चर आ विकाश मे लागत। एहि जुट मिल प्रत्यक्ष आ प्रत्यक्ष रूप स बीस हज़ार लोक कए रोजगार देत। एहि जुट पार्कक दू टा इकाई जुटक पैदावार आ उत्पादन पर ध्यान देत आ बांकि पाँच टा इकाई जुटक बनल समान, आ जुट हस्तशिल्पक बढ़ावा देत।