पटना। बिहार क दौरा पर आयल माइक्रोसॉफ्ट क संस्थापक बिल गेट्स बिहार क कामयाबी स एतबा खुश छथि जे दुनिया भरि मे एकरा दोहरेबा लेल आतुर भ रहल छथि।
बिहार क एकदिवसीय दौरे पर आयल सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्र क प्रतिष्ठित कंपनी माइक्रोसाफ्ट क संस्थापक अध्यक्ष बिल गेट्स कहला जे ओ प्रदेश मे अपन फाउंडेशन कए भेटल सफलता क अनुभव कए भारत क आन राज्य सहित दुनिया भरि मे दोहरेबा लेल आतुर छी।
मुख्यमंत्री सचिवालय मे गेट्स कहला जे बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन भारत क अन्य राज्य सहित बिहार मे काज करि रहल अछि आओर प्रदेश मे जे काज भ रहल अछि ओहि स ओ खुश छथि।
बिहार सरकार क संग साझेदारी मे स्वच्छता, स्वास्थ्य, परिवार नियोजन आ शिशु स्वास्थ्य आदि क्षेत्र मे आठ जिला मे काज करि रहल फाउंडेशन क सह अध्यक्ष गेट्स कहला जे नीतीश सरकार क नेतृत्व मे नीक सहयोग भेट रहल अछि। गेट्स क पत्नी मेलिंडा कहलथि- हम गाम मे जाकए देखलहुं अछि स्वास्थ्य मंत्रालय नीक काज करि रहल अछि। लोक स गप करि प्रसन्नता भेल। खास कए महिला मे टीकाकरण आ स्तनपान क बारे मे जागरुकता देख बेहद खुशी भेल।
भारत क अन्य राज्य क बजाय बिहार मे विशेष जोर देबाक पाछु कोनो खास कारण, एहि सवाल पर गेट्स कहला जे कोनो आन राज्यक अपेक्षा एहि ठाम साझेदारी बहुत नीक अछि। आन राज्य मे सेहो हम काज कए रहल छी आ ओहि ठाम सेहो नीक प्रगति अछि मुदा बिहार मे स्वास्थ्य संबंधी आंकड़ा कए आगू बढ़ेबाक अछि।
मेलिंडा कहलथि जे बिहार मे आन ठाम स बेसी पारदर्शिता अछि आ सरकार सबकिछु साझा करबा लेल उत्सुक अछि। बिहार मे सटा मंत्रालय क बीच तालमेल अद्भुत अछि। हमरा भरोसा अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क नेतृत्व मे बिहार आगू बढत।
गेट्स कहला जे बिहार मे ओ खसरा, थायरायड, पोलियो क पेंटावैलेंट टीका क लेल बेसी स बेसी सस्ता टीका उपलब्ध करेबा लेल प्रयासरत छथि। एहि लेल भारतीय निर्माता स सेहो विचार विमर्श चलि रहल अछि।
फाउंडेशन बीतल वर्ष मई मे बिहार सरकार क संग सहयोग क समझौता केने छल। बिहार मे कार्यरत बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन क एकटा प्रतिनिधि कहला जे संस्था बहुत घनिष्ठता क संग सरकार क संग मिलकए काज कए रहल अछि।