पटना। बजट क बाद जदयू क नेता केंद्र सरकार पर हमला तेज क देलथि अछि। पार्टी क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव जतए केंद्र सरकार पर आरोप लगेलाह अछि जे विशेष पैकेज देबा मे केंद्र सरकार भेदभाव क रहल अछि ओतहि पार्टी क राष्ट्रीय प्रवक्ता शिवानंद तिवारी आरोप लगेलाह अछि जे केंद्र सरकार बिहार कए उपनिवेश बनेबाक प्रयास क रहल अछि। ओ कहला अछि जे जाहि प्रकार अंग्रेज भारत स धन ल जाकए इंग्लैंड मे खर्च करैत छल तहिना केंद्र सरकार बिहारक जनता द्वारा बैंक मे जमा कैल गेल पूंजी अन्य विकसित प्रदेश मे खर्च करि रहल अछि। शिवानंद कहला जे बिहार सरकारक लाख धमकी क बावजूद राज्यक जमा साख अनुपात काफी कम अछि। जदयू नेता कहला जे बिहार मे मौजूद बैंक औद्योगिक इकाइ लेल ऋण देबा स इनकार करैत अछि, बैंक केवल कृषि लेल किसान क्रेडिट कार्ड क तहत ऋण उपलब्ध करा रहल अछि। ओ कहला जे बिहार कए सीडीआर मे तखने बढ़ोत्तरी होएत जखन बैंक औद्योगिक इकाइ लेल ऋण देब शुरू करत। ओ कहला जे बिहार मे बिजली लेल प्रयास तेज अछि मुदा केंद्र बिहार कए लगातार उपेक्षा क रहल अछि। ओ कहला जे केंद्र कए इ बुझबाक चाही जे राज्य मे बिजली क उपलब्धता देश मे सबस कम अछि आ एहि ठामक 82 प्रतिशत आबादी एखनो लालटेन क इस्तेमाल करि रहल अछि।