पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रेल बजट कए बिहार क लेल निराशाजनक कहला अछि। ओ कहला जे रेल बजट मे बिहार क लोक क भावना क ध्यान नहि राखल गेल। ओ कहला जे पटना स राजधानी दिल्ली आओर उत्तरी बिहार स मुंबई जेनिहार लोकक संख्या काफी अछि, मुदा रेल मंत्री एहि दिस ध्यान नहि देलथि। ओ कहला जे रेलवे क सेहत कए ल कए काफी भ्रम अछि वर्तमान रेल मंत्री कहि रहल छथि जे रेलवे आर्थिक संकट स गुजरि रहल अछि, त किछु दिन पहिने तक पूर्व रेल मंत्री जाहि एक लाख करोड़ गप करि रहल छलाह ओकर की भेल। आखिर कए सच आ कए झूठ इ देश लेल रहस्य अछि।
भाजपा प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कहला जे एहि बजट स राहत त दूर मायूसी मायूसी हाथ आयल अछि। बिहार क लिहाज स इ सबस बेसी उपेक्षित बजट अछि। बजट स बिहार निराशा अछि। सांसद सब जे तमसेलाह ओ सही छल। जनता दल (युनाइटेड) क राजीव रंजन सिंह ऊर्फ लल्लन सिंह कहला, बिहार कए नजरअंदाज कैल गेल अछि। हमरा घोर आपत्ति अछि। हम पश्चिम बंगाल क खिलाफ नहि छी मुदा हमरा राज्य क दर्जन स बेसी योजना लम्बित पड़ल अछि। एहि बारे मे रेल मंत्री चुप छथि। इ केवल बंगाल क बजट अछि।
ई प्रतिक्रिया सभ पिछले रेल बजट पर आयब अपेक्षित छल …………..पर ओहि समय “लालू डुबाओ आन्दोलन” चलि रहल छल …………….. बिहार केँ डुबाओल जा रहल छल तकर होश कहाँ ………….. चलू देरहि सँ सही पर कम स कम होश आयल तऽ ।