पटना। बिहार विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा कहला अछि जे बिहार कए आब कियो पाछु खींचए सेहो चाहत त इ असंभव अछि। प्रदेश क जनता क मन मे विश्वास उत्पन्न भेल अछि। ओ बिहार कए आगू बढ़ैत देखए चाहैत अछि। एहि दिशा मे राज्य तेजी स बढ़ि रहल अछि। ओ परिषद क शताब्दी समारोह क संबंध मे व्यापक जानकारी दैत कहला जे फव्वारा कए पाइन क आपूर्ति लेल सौ साल पुरान कुआं क ढक्कन हटा देल गेल अछि। झा कहला जे 22 मार्च कए राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल शताब्दी समारोह क उद्घाटन करतीह। हुनकर कार्यक्रम 90 मिनट क होएत। शताब्दी समारोह क समापन 22 मार्च 2012 कए होएत। समारोह मे पांचटा एहन पूर्व सदस्य कए राष्ट्रपति क हाथ स सम्मानित कैल जाएत जे लंबा समय तक सदन क सदस्य रहला अछि। सम्मानित होइवाला सदस्य मे पद्मदेव नारायण शर्मा, रामनन्दन सिंह, इंद्र कुमार, रमेश प्रसाद सिंह आ शिवनन्दन प्रसाद सिंह शामिल छथि। समारोह मे 700 लोक कए बैसबाक व्यवस्था होएत। राष्ट्रपति क स्वागत मे शहनाई वादन सेहो होएत। सूफी संगीत क सेहो कार्यक्रम अछि। सभापति कहला जे 22 मार्च, 2012 कए समापन समारोह क आयोजन परिषद क नव भवन मे होएत। ओ एहि भवन क नामकरण शताब्दी भवन करबाक आग्रह मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स केलथि अछि।