पटना। भारत (बिहार)-नेपाल सीमा पर 2600 करोड़ टका स 557 किलोमीटर लंबा बार्डर कारिडोर क निर्माण होएत। एहि परियोजना कए केंद्र स सैद्धांतिक सहमति भेट गेल अछि। गृह मंत्रालय एकर पहिल चरण शुरू करबा लेल मंजूरी सेहो द देलक अछि। 70.56 करोड़ टका क लागत स 24 किमी लंबा पहिल चरण पर काज एहि साल शुरू भ जाएत। एहि चरण मे मुख्य रूप स सीतामढ़ी जिला मे सडक बनत। पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव क कनुसार फिलहाल छह चरण मे एहि कारिडोर कए पूरा हेबाक अछि। एहि लेल 213.67 किमी क प्राक्कलन पथ निर्माण विभाग केंद्र कए मंजूरी लेल पठेने अछि। एहि पर कुल 615.36 करोड़ टका खर्च होएत। श्री यादवक अनुसार 2016 तक भारत-नेपाल सीमा पर 557 किमी सड़क क निर्माण पूरा क लेल जाएत। एहि सड़क क निर्माण पर 2500 स 2600 करोड़ टकाक खर्च हेबाक अछि। केंद्र बिहार क हिस्सा क लेल 1702 करोड़ टका आवंटित केलक अछि। परियोजना पूरा करबा लेल केंद्र द्वारा आवंटित राशि क अतिरिक्त जे अन्य खर्च आउत ओ राज्य सरकार खर्च करत। एहि सड़क क निर्माण में कई ठाम बांध त किछु ठाम सहायक सडक सेहो बनाउल जाएत। एलायनमेंट क बीच में कई ठाम पुल सेहो आबि रहल अछि। सबटा पुल लेल केंद्र सरकार राशि आवंटित नहि केलक अछि। सरकार कए एहि सडक लेल नाबार्ड क मदद सहो भेटल अछि। मंत्री क अनुसार दू लेन क एहि सडक मे दायां-बायां ढाई-ढाई मीटर क फ्लैंक होएत। सुपौल जिला क कोसी नदी पर बनल पुल एहि सड़क क एलायनमेंट क हिस्सा अछि। एहि सडक पथ निर्माण विभाग टेंडर सेहो क चुकल अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि जे अप्रैल स काज शुरू भ जाएत। पथ निर्माण मंत्री कहला जे इ सड़क बिहार क अपन ईस्ट-वेस्ट कारिडोर होएत किया कि पश्चिम चंपारण क मदनपुर स्थित गोबरहिया गाम स शुरू भ इ सडक किशनगंज क गलगलिया में खत्म होएत।
कोन जीला मे केतबा बनत सडक
पश्चिम चंपारण-110.35 किमी
पूर्वी चंपारण-74.29 किमी
सीतामढ़ी-89.50 किमी
मधुबनी-40.99 किमी
अररिया-104.025 किमी
किशनगंज-98.05 किमी