पटना। दुनिया क सबस पैघ सॉफ्टवेयर कंपनी माइक्रोसॉफ्ट क संस्थापक बिल गेट्स बुधदिन कहला जे ओ बिहार आबि कए काफी रोमांचित छथि। ओ कहला जे राज्य क कृषि आ स्वास्थ्य क्षेत्र मे सुधार आनब आब हुनकर प्राथमिकता अछि।
राज्य क एक दिवसीय दौरा पर पटना आएल बिल गेट्स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग संयुक्त प्रेस वार्ता मे कहला जे एहि ठामक बच्चा हुनका स भेंट करबा लेल जेहन उत्साह देखेलक, ओहि स ओ काफी खुश छथि। विश्व क दोसर सबसे बेसी अमीर गेट्स कहला जे बिहार मे कृषि आ स्वास्थ्य क क्षेत्र मे ओ सुधार करबा लेल कईटा योजना शुरू करताह। ओ मुख्य रूप स कालाजार, पोलियो आ अन्य संक्रामक बीमारी क उन्मूलन मे बिहार सरकार क मदद करबा लेल तैयार छथि। एहि स पूर्व ओ मुख्यमंत्री क संग करीब 45 मिनट तक गप केलथि। गेट्स अपन विशेष विमान स भोर मे पटना पहुंचलाह आओर हेलीकॉप्टर स सीधा खगडिय़ा क अत्यंत पिछड़ल गाम गुलेरिया मुसहरी पहुंचलथि ओकर बाद ओ बांका जिला क तेतरिया गाम जाकए लोक स सीधा संवाद केलथि। ओ दूनू ठाम स्वास्थ्य स जुड़ल समस्या कए नजदीक स बुझबा क प्रयास केलथि। हुनकर संग बिल एडं मिलिन्डा गेट्स फाउंडेशन क पांच सदस्यीय दल सेहो छल।
Very Very Thanks Mr. Bill Gates